अयोध्या। मर्यादा पुरुषोत्तम प्रभु श्रीराम केर नगरी अयोध्या में दीपोत्सव शुरू भ चुकल अछि। बुधदिन भोर दस बजे सं श्रीराम आ माता सीता केर झांकी निकालल गेल। झांकी केर देखबाक लेल भक्त जन कें शैलाब उमैड़ पड़ल । एहि बेर दीपावली पर राम नगरी में दीपोत्सव के अवसर पर 9.50 लाख दीप जरेबाक लक्ष्य अछि। एहि बेर भाजपा सरकार के एहि कार्यकाल के अंतिम वर्ष आ दीपावली सेहो छी। एहि लेल मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ स्वयं राम नगरी दीपोत्सव के भव्य बनेबा में जुटल छथि।

आउ बूझी दीपोत्सव में एखन तक कतेक दीप जराओल गेल अछि।

2017:- 1,80, 000 दीप

2018:- 3,01,152 दीप

2019:- 5,50,000 दीप

2020:- 5,51,000 दीप

भेटल जानकारी के मुताबिक राम नगरी अयोध्या में राम के पैड़ी में एहि बेर नौ लाख दीप जराओल जाएत। एहि मौका पर गिनीज बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड के टीम सेहो दीप सब के गिनती क लेल उपलब्ध रहताह। राम नगरी अयोध्या में तीन लाख दीप जरेबाक लक्ष्य अछि। एहि तरह सं दीपावली पर 12 लाख दीप जराओल जाएत। राम नगरी अयोध्या दीपोत्सव के अवसर पर हरेक मंदिर आ मठ में सेहो दीप जराओल जैत। एकरा अलावे महाप्रसाद के वितरण सेहो कैल जाएत। सरयू के कछैर में शानदार लेजर शो देखाओल जाएत। एहि में लाखहुं के भीड़ आओत।

प्राप्त जानकारी के अनुसारे राम नगरी अयोध्या में दीपोत्सव के मध्य कई एकटा कार्यक्रम सब के आयोजन हैत। एकर प्रारंभ भोर दस बजे सं भगवान श्रीराम आ माता सीता के भव्य शोभा यात्रा सं भ चुकल अछि। दूपहर 1:35 बजे मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ राम कथा पार्क हेलीपैड पर पहुंच जेता आ एकर बाद 1:45 बजे राम कथा पार्क सँ कार्यक्रम स्थल पहुंचताह।

राम कथा पार्कहिं में पुष्पक विमान सं राम-सीताआ लक्ष्मण उतरताह, सीएम योगी हिनकर स्वागत करताह। सीएम योगी राम कथा पार्क में राज्याभिषेक के बाद संबोधन करताह आ एकर बाद राम के पैड़ी पहुंचताह। सीएम योगी राम के पैड़ी में दीपोत्सव के शुभारंभ करताह आ 9:15 बजे तक एतहि रहताह।