दरभंगा, भारत निर्वाचन आयोग आ संयुक्त मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी, बिहार, पटना केर निर्देशानुसार ई.वी.एम/वी.वी.पैट वेयर हाउस के त्रैमासिक निरीक्षण जिला निर्वाचन पदाधिकारी-सह-जिला दंडाधिकारी के द्वारा कएल जेबाक अछि।एहि निर्देश केर अन्तर्गत अक्टूबर मासक त्रैमासिक निरीक्षण जिला निर्वाचन पदाधिकारी-सह-जिला दंडाधिकारी, दरभंगा डॉ. त्यागराजन एस.एम द्वारा दरभंगा, समाहरणालय परिसर अवस्थित ई.वी.एम/वी.वी.पैट वेयर हाउस के निरीक्षण कैल गेल।

एहि अवसर पर उप निर्वाचन पदाधिकारी पुष्कर कुमार, राकपा कें जिलाध्यक्ष शैलेन्द्र मोहन झा, कांग्रेस पार्टी कें जिलाध्यक्ष सीताराम चौधरी, भाजपा कें जिलाध्यक्ष जीवछ सहनी, जदयू कें एजाज अख्तर खाँ,  सी.पी.आई कें जिला मंत्री नारायण जी झा, राजद कें जिला महासचिव विष्णु चन्द पप्पू, लोक जनशक्ति पार्टी (रामविलास) कें जिलाध्यक्ष देवेन्द्र कुमार झा, राष्ट्रीय लोक जनशक्ति पार्टी कें गगन कुमार झा, सी.पी.आई.(एम) कें गोपाल ठाकुर आ निर्वाचन शाखा कें कर्मीगण उपस्थित छलाह।