दरभंगा, 08 नवम्बर शराब/जहरीला शराब पर पूरा तरहें नियंत्रण हेतु आई फेर पुलिस महानिरीक्षक, मिथिला क्षेत्र, दरभंगा श्री अजिताभ कुमार के उपस्थिति में जिलाधिकारी डॉ. त्यागराजन एस.एम व वरीय पुलिस अधीक्षक श्री बाबूराम द्वारा जिला कें सबटा प्रखण्ड विकास पदाधिकारी, अंचलाधिकारी, थाना प्रभारी आ चौकीदार/दफादार के संग वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग के माध्यम सं बैसक आयोजित कैल गेल।उक्त बैठक के पुलिस महानिरीक्षक, मिथिला क्षेत्र, दरभंगा द्वारा सेहो संबोधित कैल गेल।
     
  बैसक में मुख्य रूप सं पुलिस महानिरीक्षक, जिलाधिकारी आ वरीय पुलिस अधीक्षक द्वारा एहि बात पर जोर देल गेल जे बिना ग्रामीण चौकीदार सब/दफादार सबकेँ जानकारी के क्षेत्र में कियो शराब/जहरीली शराब के कारोबार नहि क सकैत अछि, ताहि कारणें सबसँ पहिने कोनो भी क्षेत्र में शराब/जहरीली शराब के बरामदगी वा शराब सं संबंधित कोनो भी घटना घटैत अछि, तखन ओकरा लेल सीधा-सीधी चौकीदार/दफादार के दोषी मानैत हुनका सेवा सं बर्खास्तगी के लेल कार्रवाई कैल जाएत आ यदि हुनकर नाम कारोबार कें संलिप्तता में पाओल जायत, तखन हुनका पर प्राथमिकी दर्ज क’ गिरफ्तारी सेहो कैल जेतनि।ओहि प्रकार यदि राज्य स्तरीय वा जिला स्तरीय टीम द्वारा कोनो थाना क्षेत्र में छापेमारी के दौरान शराब/जहरीली शराब  पाओल जाएत तखन सीधे-सीधे थानाध्यक्ष दोषी मानल जेताह आ तदनुसार हुनका पर सेहो  निलंबन/बर्खास्तगी के कार्रवाई कैल जाएत।
     
बैसक में स्पष्ट कैल गेल जे सरकार शराब/जहरीली शराब कें अवैध कारोबार के कोनहु हाल में आब बर्दाश्त नहि कर जा रहल अछि आ स्वयं अपने माननीय मुख्यमंत्री द्वारा एहि पर लगातार समीक्षा कैल जा रहल अछि।बैसक के अंत में जिलाधिकारी द्वारा सबटा संबंधित अंचलाधिकारी आ प्रखंड विकास पदाधिकारी के आगामी छठि महापाबनि कें अवसर पर गत बैसक में देल गेल सबटा निर्देश सब केँ अक्षरस: अनुपालन करबाक निर्देश देल गेल। इकरा संगहि काली पूजा कें सबटा मूर्ति सबहकका विसर्जन छठि पाबनि कें पहिने प्रशासन/ थाना के निगरानी में करबेनाई सुनिश्चित करबाक निर्देश देल गेल।

      बैसक में नगर पुलिस अधीक्षक अशोक प्रसाद, अनुमण्डल पदाधिकारी, सदर स्पर्श गुप्ता, अनुमण्डल पुलिस पदाधिकारी, सदर कृष्ण नन्दन कुमार, वरीय उप समाहर्त्ता सत्यम सहाय आ आन संबंधित पदाधिकारी गण सेहो उपस्थित छलाह ।