ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय, दरभंगा के माननीय कुलपति प्रो. एस. पी. सिंह के द्वारा दूरस्थ शिक्षा निदेशालय क’ नव पोर्टल Inmudde.com केर शुभारम्भ कैल गेल। एहि नव पोर्टल में छात्र लोकनि के सुविधा क’ लेल नामांकन, परीक्षा प्रपत्र भर’, हॉल टिकट (प्रवेश पत्र), परीक्षाफल प्रकाशन, दत्तकार्य आ शिकायत निवारण हेतु
अलग-अलग भाग बनाओल गेल अछि। छात्र अपन आवश्यकतानुसार पोर्टल’क उपयोग क’ सकैत अछि। पोर्टल’क बारिकि सबके निदेशक दूरस्थ शिक्षा निदेशालय प्रो. अशोक कुमार मेहता सब उपस्थित सदस्यगण के बतेलथि। माननीय कुलपति महोदय एहि पोर्टल के छात्र सबहक लेल सुगम आ उपयोगी बितेलन्हि। भविष्य में एहि मे समय-समय पर आवश्यक सुधार आ विकास करैत रहबाक लेल कहलनि। एहि काजक सराहना करैत ओ कहलनि जे एहि सं आत्मनिर्भरता बढ़ैत अछि। पोर्टल के विकसित कर बला ई. गणेश कुमार पासवान आश्वस्त कएलन्हि जे एहि सं छात्र अपन सबटा आवश्यकता सबकेँ पूर्ति निर्बाध रूप सं क’ सकताह। इस अवसर पर कुलसचिव प्रो. मुश्ताक अहमद, सिंडिकेट सदस्य डॉ. दिलीप चौधरी, उपनिदेशक, सहायक निदेशक, सहायक कुलसचिव (प्रशासन) दूरस्थ शिक्षा निदेशालय सेहो उपस्थित छलाह ।