ननौर। आदर्श समाज बनेबाक लेल शिक्षा एकटा अनिवार्य तत्व थिक। शिक्षाक आरंभ परिवारसँ होइछ। गुरुकुलसँ ल’क’ आधुनिक काल धरिक यात्रा तय करैत शिक्षा वर्तमान स्वरूपकेँ प्राप्त केलक अछि। समय बड तेजीसँ बदलल जा रहल अछि। एहि क्रममे शिक्षाक बाजारीकरण सेहो भेल जा रहल अछि। आजुक समय मे जीविकोपार्जन आ शिक्षा ग्रहणक काज संगहि संग करब नव पीढ़ीक लेल पैघ चुनौती बनि गेल अछि। एहि काजकेँ सुगम बनेबाक लेल दूरस्थ शिक्षाक परिकल्पना सोझाँ आयल। एहिसँ एकटा पैघ आवादी जे समयक अभावमे वर्गमे शामिल नहिं भ’ सकैत छथि हुनक शिक्षा ग्रहण करब सुगम भ’ गेल।

ग्रामीण परिवेश खुला विश्वविद्यालयक आवश्यकता एही कारणसँ बुझाय लागल छल। पछिला दिन लूटन झा महाविद्यालय ननौर(मधुबनी)मे नालंदा खुला विश्वविद्यालयक अध्ययन केन्द्रक स्थापना एकटा उत्साहवर्धक आ सार्थक डेग साबित होयत। ई बात महाविद्यालयक प्रधानाचार्य प्रो.रवीन्द्र नाथ झा कहलनि। ओ सहर्ष जनतब देलनि जे नालंदा खुला विश्वविद्यालयक अध्ययन केन्द्र एतय बनलासँ आब ननौर आ लगपासक ओहन छात्र/छात्रा जे नियमित कक्षामे विभिन्न कारण सँ भाग नहिं ल’ सकैत छथि हुनका लेल शिक्षा लेब आ योग्यता विस्तृत करब सुगम भ’ जेतनि।


प्रो.रवीन्द्र नाथ झा
(प्रधानाचार्य लूटन झा महाविद्यालय ननौर)

दूरस्थ शिक्षा द्वारा एहि अध्ययन केन्द्रमे आइए ,बीए, एमए कला,वाणिज्य,विज्ञान विषयक अतिरिक्त व्यावसायिक शिक्षाक अन्तर्गत बीबीए, बीसीए, एमजेएमसी, एमएआइएस,ह्यूमन रिसोर्स मैनेजमेंट(स्नातक),पत्रकारिता एवं जनसंचार, योग, आपदा प्रबंधन, लोक प्रशासन, ग्रामीण विकास आदि स्नातकोत्तर डिप्लोमा पाठ्यक्रम, मार्केटिंग मैनेजमेंट, वित्तीय प्रबंधन, योगिक स्टडीज़,सूचना आ जन सम्पर्क आदि विषयक संग इण्टरमिडिएट पाठ्यक्रमक नओ मासक लेल विभिन्न सर्टिफिकेट कोर्स केर अध्ययन दूरस्थ शिक्षा प्रणाली द्वारा नालंदा खुला विश्वविद्यालयक अध्ययन केन्द्र ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय दरभंगा केर अंगीभूत ईकाई लूटन झा महाविद्यालय ननौर(मधुबनी) मे आब संभव होयत।