समाजक सर्वांगीण विकास लेल शिक्षा अनिवार्य अछि। शिक्षाक अर्थ मात्र विद्यालयक शिक्षा नहिं अपितु जीवन सुगम बनेबाक लेल सब किछु सिखबाक प्रक्रिया। हमरा लोकनिक समाज कोना आदर्श बनत ताहि लेल भगिरथ प्रयास सभक कर्त्तव्य थिक। कहलो गेल छै जे दशक लाठी एकक बोझ। थोड़बे थोड़बे प्रयास यदि सब करी त’ ई असंभव नहिं।

मधुबनी जिलाक उत्तमगाम निवासी डॉक्टर जयानंद मिश्र पंजिकार अपन एहि नागरिक कर्त्तव्यक पालन पछिला करीब एक दशकसँ करैत आबि रहला अछि। प्रत्येक वर्ष बच्चा दाई आदर्श उच्च विद्यालय ननौर(मधुबनी)सँ मैट्रिक परीक्षामे सर्वश्रेष्ठ प्रदर्शन केनिहार तीन छात्र/छात्राके नकद राशि आ प्रशस्तिपत्र सँ पुरस्कृत करैत छथि।

एहि वर्ष प्रथम पुरस्कार स्वरूप कमलेश कुमारकेँ 2100 टाका आ प्रशस्तिपत्र द्वितीय पुरस्कार स्वरूप रबीना कुमारीकेँ 1600 टाका आ प्रशस्तिपत्र आ तेसर पुरस्कार स्वरूप ज्योति कुमारीकेँ 1100 टाका आ प्रशस्तिपत्र प्रदान कएल गेलनि।

पुरस्कार वितरण समारोह बच्चा दाई आदर्श उच्च विद्यालय ननौरक सभागारमे प्रधानाध्यापक कलीम अहमदक अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल। पुरस्कार प्रदान केलाक बाद डॉक्टर जयानंद मिश्र छात्र, छात्रा लोकनिकेँ एहि पुरस्कारक शुरुआत कोना भेल तकर इतिहास बतौलनि। ओ कहलनि जे एगारह जनवरी दू हाजार बारहकेँ साँझ मे एहि विद्यालयक पूर्ववर्ती छात्र आ आकाशवाणी दरभंगाक उद्घोषक अखिलेश कुमार झा हमरा आमंत्रित केलनि जे अपने अबियौ काल्हि विद्यालयपर, स्थापना दिवसपर कार्यक्रम छै, ओतय अहाँकेँ बजबाक अछि।

कार्यक्रमक आयोजनमे तत्कालीन प्रधानाध्यापक श्री भगवान झाक नेतृत्वमे विद्यालय परिवार आ विशेष रूपेँ अखिलेश जीक बड सक्रियता छलनि। हम अगिला दिन जखन मंचसँ अपन बात कहि रहल छलहुँ तखने एकटा प्रेरणा आयल जे एकटा पुरस्कारक घोषणा कैये दै छीयै आ ओहि सालसँ ई पुरस्कार लगातार प्रत्येक वर्ष देल जाय लागल।एहि विद्यालयसँ मैट्रिक परीक्षामे सर्वाधिक अंक प्राप्त केनिहारकेँ देल जाइत छनि।

अपन अध्यक्षीय उद्बोधनमे छात्र छात्रासँ आह्वान केलनि जे ओ लोकनि मात्र जीविकोपार्जन लेल टा नहिं अपितु आदर्श नागरिक बनबाक दिशामे सेहो डेग बढाबथि। आइ एक दशकसँ जे ई पुरस्कार देल जा रहल अछि से अहाँ सभमे उत्साह उत्पन्न करबाक काज करत। गामसँ और लोक सभ जखन सोझाँ औता तखने त’ ननौर केँ उत्तम गाम कहेबाक प्रमाण भेटत। ई गाम एहन उदाहरण सँ भरल परल अछि आ तैँ एहि गामक संबंधमे कहल गेल दू पांति सार्थक लगैत अछि जे ‘पाँच कोश पचही परगना उत्तम गाम ननौर’।

पुरस्कार वितरण समारोहक अवसरपर प्रधानाध्यापक कलीम अहमद,अजय कुमार झा,हेमकांत झा,मो.इब्रुल हक़,रिंकू कुमारी, मो.हासिम, पवन कुमार झा,डॉक्टर सूर्यदेव प्रसाद,
लालमोहम्मद,मनोहर कुमार,सहित कतेको गण्यमान्य उपस्थित छलाह।