दरभंगा, 78-कुशेश्वरस्थान (अ.जा.)विधानसभा उप-चुनाव, 2021 के अवसर पर बनाओल गेल बज्रगृह आ मतगणना हॉल महिला औद्योगिक प्रशिक्षण संस्थान, रामनगर दरभंगा में ई.वी.एम के संग्रहण काज दिनांक 30 अक्टूबर 2021 के आ  मतगणना के काज दिनांक 02 नवम्बर 2021 के *पूर्वाह्न 7:00 बजे सँ निर्धारित अछि।
उक्त के आलोक में अनुमण्डल दण्डाधिकारी, सदर स्पर्श गुप्ता आदेश जारी करैत कहलनि जे ई.वी.एम संग्रहण आ मतगणना काज केर अवसर पर उक्त तिथि के मतगणना के समाप्ति तक महिला औद्योगिक प्रशिक्षण संस्थान, रामनगर, दरभंगा में आम आदमी के प्रवेश वर्जित रहत।