दरभंगा, 29 अक्टूबर 2021 :-  78-कुशेश्वरस्थान (अ.जा.) विधानसभा उप-चुनाव, 2021 के ल’के जदयू प्रत्याशी अमन भूषण हजारी द्वारा जिला निर्वाचन पदाधिकारी के एत शिकायत दर्ज कराओल गेल अछि जे प्रमुख इलेक्ट्रॉनिक मीडिया के नाम पर हुनका संबंध में भ्रामक समाचार पसारल जा रहल अछि।
   जिला निर्वाचन पदाधिकारी सह जिलाधिकारी, दरभंगा द्वारा एहि बिंदु पर जांच कराओल गेल।जाँच में ई शिकायत सत्य पाओल गेल। सोशल मीडिया द्वारा मुख्य इलेक्ट्रॉनिक मीडिया के नाम पर पर पसारल जा रहल भ्रामक समाचार ज़ी न्यूज़ और इंडिया टुडे (इलेक्ट्रॉनिक मीडिया) द्वारा प्रसारित नहि कैल गेल अछि । आ नहिये हुनका माध्यमे एहि प्रकार’क कोनो समाचार प्रसारित कैल गेल अछि।
     जिला निर्वाचन पदाधिकारी सह जिलाधिकारी दरभंगा द्वारा ऐना कर बला सबहक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कराबैत कठोर कार्रवाई करबाक हेतु निर्देश देलनि अछि।ओ जिला जनसंपर्क पदाधिकारी, दरभंगा के सब प्रकार’क सोशल मीडिया पर सख्ती सं नजरि रखबाक निर्देश देलन्हि। जाहि सँ की, एहि प्रकारे चुनाव प्रभावित नई भ सकै।