दिनांक 29 दिसम्बर के ललित नारायण मिथिलाविश्वविद्यालय केर स्नातकोत्तर वनस्पति विभाग के द्वितीय समेस्टर के छात्र लोकनि द्वारा जाले स्थित कृषि विज्ञान केंद्र, जाले के शैक्षणिक भ्रमण कैल गेल।ई कार्यक्रम विभागाध्यक्ष प्रो शहनाज़ जामिल केर देखरेख में आयोजित कैल गेल। एहि भ्रमण में प्रो विद्यानाथ झा, पूर्व प्रधानाचार्य, एमएलएसएम कॉलेज दरभंगा, विभागीय प्रो के॰ के॰ साहु आ डा गजेंद्र प्रसाद सेहो छलैथ।

कृषि विज्ञान केंद्र केर द्वारा समय समय पर किसान सबहक लेल बहुतो ट्रेनिंग प्रोग्राम आयोजित होएत रहैत अछि।एहि केंद्र के द्वारा मशरूम उत्पादन आ एकर मार्केटिंग के लेल एहि सप्ताह एकटा विशेष कार्यक्रम सेहो भ रहल अछि। एकर लाभ उठबैत वनस्पति विभाग द्वारा छात्र सबहक लेल इ भ्रमण कार्यक्रम के आयोजन कैल गेल छल।

ज्ञातव्य हो कि वनस्पति विभाग में मशरूम कल्चर आ अनुसंधान केंद्र हालहिं में खोलल गेल अछि।एहि व्यवस्था के बेसि उपयोगी बनेबा मे छात्र सब में एकर रुचि बढ़ेबा में ई कार्यक्रम बहुत उपयोगी सिद्ध भेल अछि।

कृषि केंद्र के अध्यक्ष डा दिव्यांशु शेखर एहि केंद्र के सब तरह के आधुनिक तरीक़ा सं अवगत करौलनि। एहि केंद्र पर लगभग 50 तरह कें औषधीय पौधा, काली चावल, माइक्रो इरिगेशन सं पटौनी, बिना काँट बला सिंघरा, अजोल्ला क खेती जैविक खाद के लेल, मशरूम कें खेती आदि के देखि कए सबकियो आश्चर्य चकित भेलाह। पाली हाउस जाहिमे सामान्य सं 5 डिग्री कम तापक्रम में खेती के तरीका सेहो देखाओल गेल। बाद में डा शेखर छात्र सब के मशरूम कें पैदावार के मुख्य क्रिया के प्रदर्शित केलैथ।

शिक्षक आ छात्र एहि तरह के भ्रमण सं बहुत लाभान्वित भेलैथ।