राष्ट्रीय सेवा योजना केर महारानी कल्याणी महाविद्यालय, लहेरियासराय इकाई द्वारा दिनांक 27/ 10/ 2021 सं 02/11/2021 तक सात दिवसीय विशेष शिविर’क आयोजन कैल गेल अछि जकर मुख्य विषय अछि: ” कोविड-19 आ युवा : एकटा बेहतर भविष्य के लेल।” एहि शिविरक दोसर दिन में राष्ट्रीय सेवा योजना केर स्वयंसेवक लोकनि द्वारा डरहार गाम मे कोरोना वैक्सीनेशन अवेयरनेस जागरुकता कैंपेन कैल गेल। कैंपेन’क शुरुआत एनएसएस केर गीत’क द्वारा भेल। डरहार गाम’क लोक सब कें टीकाकरण करेबा हेतु प्रोत्साहित करबाक लेल स्वयंसेवक लोकनि जनहित के ध्यान मे राखैत शिविर के दोसर दिन एकर अभियान के पूरा हर्षोल्लास आ निष्ठा क संग मनाओल आ अपन-अपन भागीदारी के सुनिश्चित केलैन। महाविद्यालय’क प्रधानाचार्य डॉ लक्ष्मण प्रसाद जायसवाल जे कि एहि सँ पहिले कोरोना कर्मवीर पुरस्कार सँ सम्मानित सेहो कैल जा चुकल अछि, ओ स्वयंसेवक सबहक मनोबल आ उत्साह के बढ़ाबैत कहलनि जे कोविड-19 महामारी केर दोसर लहरि के दौरान स्वयंसेवक सबहक द्वारा मास्क पहिरनाई, साबुन सँ बेर-बेर हाथ धोनाई, छींकैत आ खोंखी करैत समय मुंह पर रुमाल रखनाई आ सोशल डिस्टेंसिंग केर पालन कैनाई एहि सब महत्वपूर्ण बात सबके समाज में पसारबाक आ हुनका सबके जागरूक केनाई अवश्ये सराहनीय आ प्रोत्साहनपूर्ण काज अछि। कार्यक्रम पदाधिकारी डॉ प्रियंका राय कहलन्हि जे आई बच्चा सबसँ ल’के व्यस्क लोकनि तक में हुअ बला चर्चा के मुख्य केंद्र बिंदु अछि – कोरोनावायरस आ कोरोना वैक्सीनेशन। एहन समय में राष्ट्रीय सेवा योजना केर स्वयंसेवकों द्वारा गामे-गाम जाके विविध गतिविधि सबहक माध्यमें कोविड-19 वैक्सीन के बारे में लैक सबकें जागरूक करनाई अवश्ये महत्वपूर्ण भ जाइत अछि। आजुक विषम परिस्थिति सबकेँ देखैत एहि शिविर के मुख्य विषय के कोविड-19 आ युवा पर केंद्रित कैल गेल छल। हमरा पूर्ण विश्वास अछि जे सकारात्मक परिवर्तन हैत आ अपना सबहक स्वयंसेवक अप्पन आन-आन जागरूकता रैली, स्वच्छता अभियान,सर्वे एहि सब गतिविधि सबसँ समाज क जागरूक करब आ कोरोना के भगायब आ स्वस्थ भारत केर नींव के मजगूती सं रखताह। सात दिवसीय विशेष शिविर’क दौरान राजकीय कन्या मध्य विद्यालय, डरहार के योगदान सराहनीय रहल अछि।हम एहि मध्य विद्यालय के प्रत्येक सदस्य गण कें हृदय सँ धन्यवाद दैत छी।