दरभंगा में एम्स निर्माण केर परिकल्पना प्रारंभ’हिं सं हमर मोन में छल।
पटना/दरभंगा,16 दिसम्बर- मुख्यमंत्री श्री नीतीश कुमार दरभंगा जिला के कुशेश्वर स्थान पहुचि के कुशेश्वर स्थान में जल-जमाव सं मुक्ति दियेबाक हेतु कैल जा रहल काज’क स्थल निरीक्षण कएलन्हि। संगहि जलनिकासी हेतु नरैला चौर नाला उड़ाहीकरण के काज’क मुख्यमंत्री निरीक्षण कएलन्हि।
जल संसाधन विभाग के सचिव श्री संजीव हंस कैल जा रहल काज सबहक संबंध में मुख्यमंत्री के विस्तृत जानकारी देलथि। मुख्यमंत्री कुशेश्वरस्थान पूर्वी प्रखंड’क लेल प्रस्तावित भूमि केर निरीक्षण कएलन्हि आ अधिकारी सबकेँ निर्माण काज जल्दि पूरा करबाक निर्देश देलथि।
निरीक्षण के पश्चात् मुख्यमंत्री नंदकिशोर उच्च विद्यालय, हिरणी पहुंचलाह आ ओतहि लगाओल गेल विभिन्न स्टॉल सबहक निरीक्षण कएलन्हि। स्टॉल निरीक्षण के उपरांत *‘मुख्यमंत्री जन संवाद कार्यक्रम’* में शामिल भेलाह।
कार्यक्रम के दौरान मुख्यमंत्री के स्वागत पौधा, प्रतीक चिन्ह, अंगवस्त्र आ पेंटिंग सं कैल गेल। मुख्यमंत्री लोक सबहक बीचमे जा’क’ हुनकर अभिवादन स्वीकार कएलन्हि।
जन संवाद कार्यक्रम में श्री मधुकांत साह, श्री मणिकांत झा, श्री शुभम कुमार झा, श्री विजय कुमार यादव, श्री संजय कुमार झा, श्रीमती बबिता देवी, श्रीमती काजल कुमारी, श्री रामानंद शर्मा, श्री दिलीप कुमार राय, श्री रिंकु कुमार यादव, श्री संतोष चौपाल, श्री मिन्टू कुमार, श्री अश्विनी कुमार, विद्यार्थी कुमार सहित आन लोक सब मुख्यमंत्री सं संवाद क’ मुख्यमंत्री के एहि क्षेत्र में कैल गेल विकास काज सबहक लेल धन्यवाद देलन्हि आ क्षेत्र’क किछु समस्या सबसँ सेहो हुनका अवगत करेलथि। मुख्यमंत्री एहि दौरान रिमोट के माध्यम सं विभिन्न योजना सबहक कार्यारंभ कएलन्हि। कार्यक्रम के संबोधित करैत मुख्यमंत्री कहलन्हि जे अहाँ सबहक उपस्थिति’क लेल अहाँ सबहक अभिनंदन करैत छी आ अहाँ सबकें धन्यवाद सेहो दैत छी। अहाँ सब श्री अमन भूषण हजारी जी के विधानसभा उपचुनाव में विजयी बनेलहूँ , एकरा लेल अहाँ सब गोटे के धन्यवाद दैत छी। हिनकर पिता जी स्व0 शशि भूषण हजारी जी जे तीन बेर विधायक छलाह, हुनकर असामयिक निधन भ’ गेल। एक महीना के भीतरे अमन जी के माता जी क’ सेहो देहांत भ’ गेल। हमसब गोटे एन0डी0ए0 केर बैसार में निर्णय लेने छलौं जे कुशेश्वरस्थान सं श्री अमन भूषण हजारी के प्रत्याशी बनायब आ हमसब गोटे हिनका प्रत्याशी बनेलहूँ। एतय के जनता हिनका चुनाव में विजयी सेहो बनेलथि। चुनाव प्रचार में हम सेहो दू ठाम पर ऐल छलौं आ ओहि समय हम कहने छलौं जे अहाँ सबहक बीच अएता आ अहाँ सबहक समस्या सबकेँ बारे मे आहां सबसँ बातचीत करताह। पंचायत चुनाव समाप्त भेला के बाद अहाँ सबहक बीच भेलहुँ।