दिनांक 16 दिसंबर के अखिल भारतीय संगठन यूनाइटेड फोरम ऑफ बैंक यूनियन के आह्वाहन पर दू दिवसीय हड़ताल 16 आ 17 दिसंबर के तत्वावधान में दरभंगा टॉवर पर सब लोक एकत्रित भेलाह।

ओतय सं सरकारी बैंक सबहक निजीकरण के साजिश आ बैंकिंग अधिनियम में सुधार’क संसद मे बिल पेशी क’ विरोध में नारा लगाबैत जुलूस मिर्ज़ापुर चौक होईत आईसीआईसीआई बैंक तक प्रदर्शन आ एकटा आम सभा के संबोधन आयोजन कैल गेल जे संगी आंनद मोहन ठाकुर केर अध्यक्षता में संपन्न भेल।एहि सभा मे सरकार के द्वारा आम जनता क’ पूंजी के संग खेल क’ ओकरा किछु कॉरपोरेट घराने के बीच ऋण माफी के नाम पर लूट,बैंक सब में लाखों लाख नियुक्ति सब लंबित अछि, जकर ग्राहक सबहक बेहतर सेवा क’ लेल जल्द सं जल्द बहाली के ल’क शांतिपूर्ण विरोध प्रदर्शन कैल गेल।जौं देश के बचएबाक हो तखन सरकारी बैंक सबके बचब पड़त।निजीकरण के मतलब अछि जनता के जमा पूंजी निजी हाथ में चलि जेनाइ।सरकारी बैंक सबमें जमा पूंजी सरकार’क द्वारा सार्वजनिक हित में लगाओल जाइत अछि।


बैंक सबमें घाटा के नाम पर निजीकरण केर साजिश चलि रहल अछि। जखन कि सबटा सरकारी बैंक ऑपरेटिंग प्रॉफिट मे अछि।बस किछु कॉरपोरेट घराना क’ जे छूट देल जा रहल अछि ओहि सं बैंक सबकेँ घाटा भ’ रहल अछि।जौँ सरकार वर्तमान संसद के शीतकालीन सत्र मे बिल प्रस्तुत करैत अछि तखन बैंक कर्मचारी अनिश्चितकालीन हड़ताल पर सेहो जा सकैत छथि।एहि आम सभा के अजित कुमार सिंह,किसान नेता राजीव कुमार चौधरी,सरोज कुमार सिंह,कैसर आलम,संजीव कुमार,कोमल,रमन कुमार मिश्रा आ बैंक ऑफ इंडिया के संगी सब संबोधित केलथि आ 17 तारीख के हड़ताल के लेल फेर आह्वाहन कएलन्हि।

दरभंगा सं,,,पत्रकार,,,राजू सिंह के रिपोर्ट ।