दरभंगा, 18 दिसम्बर 2021 :- माननीय सर्वोच्च न्यायालय द्वारा पारित आदेश’क आलोक में देश’क सबटा असंगठित कामगार लोकनि’क डाटा संधारण 31 दिसम्बर 2021 तक कैल जेबाक अछि। एकरा लेल ई-श्रम पोर्टल www.eshram.gov.in पर बिहार राज्य’क कुल – 3.49 करोड़ आ दरभंगा जिला के कुल – 13 लाख 21 हजार 386 असंगठित कामगार लोकनि के निबंधन केर लक्ष्य निर्धारित अछि।कामगार सबहक ऑनलाइन निःशुल्क निबंधन वसुधा केंद्र पर कराओल जा सकैत अछि।
     एहिमे पडे़शानी भेला पर  वसुधा केन्द्र के जिला समन्वयक राकेश खाँ, मोबाईल नम्बर – 9709310561, सुधाँशु कुमार, मोबाईल नम्बर – 9931067820 आ मनीष कुमार, मोबाईल नम्बर – 8084869837 सं सम्पर्क कैल जा सकैत अछि।
       असंगठित क्षेत्र’क कामगार लोकनि के पंजीकरण हेतु प्रोत्साहित करबाक हेतु पंचायत स्तरीय कर्मी यथा – पंचायत रोजगार सेवक, विकास मित्र, कृषि सलाहकार, टोला सेवक, आशा कार्यकर्ता, आंगनवाड़ी सेविका/सहायिका, जीविका दीदी के लगाओल गेल अछि।
  असंगठित कामगार सबहक अन्तर्गत मनरेगा कामगार, कृषि कामगार, प्रवासी कामगार, निर्माण कामगार, प्लेटफॉर्म कामगार, मछुआरा, दुध बेच बला, आशा कामगार, आंगनवाड़ी कामगार, फेरी बला, रिक्शा चालक आ घरेलू कामगार सब सम्मिलित छथि, जे ई-श्रम पोर्टल पर अपन पंजीकरण करा सकैत छथि। एकरा लेल अपन आधार संख्या, आधार से जुड़ल मोबाईल संख्या, आई.एफ.एस.सी. न0 सहित बैंक खाता संख्या आवश्यक अछि।
  ई-श्रम पोर्टल पर पंजीकृत कामगार लोकनि सबकें दूर्घटना के लेल 02 लाख रूपया के सुरक्षा बीमा कवर भेटत। ऑनलाईन निबंधन सोमदिन सं शनिदिन तक भोरे 08ः00 बजे सं सांझ 08ः00 बजे तक कैल जाएत अछि।