दरभंगा, 07 नवम्बर :- अपर जिला न्यायाधीश-सह- सचिव जिला विधिक सेवा प्राधिकार, दरभंगा द्वारा नोटिस निर्गत करैते कहल गेल जे बिहार राज्य विधिक सेवा प्राधिकार, पटना कें निर्देशानुसार अखिल भारतीय जागरूकता कार्यक्रम आ “आजादी का अमृत महोत्सव”के उपलक्ष्य में 08 नवम्बर 2021 कें ए.डी.आर.-सह- मध्यस्थता केन्द्र, व्यवहार न्यायालय, दरभंगा में 11:00 बजे पूर्वाह्न में प्रदर्शनी मेला केर आयोजन कयल गेल अछि ।

उक्त कें आलोक में ओ दरभंगा जिला के सबटा विभाग सबहक पदाधिकारी लोकनि,कर्मचारी लोकनि, विद्वान अधिवक्ता लोकनि, सबटा पारा विधिक स्वयंसेवक सब, आंगनबाडी संविका लोकनि, शिक्षक गण,आशा कर्मी लोकनि आ सबटा आमजन सब सं उक्त तिथि केँ आयोजित प्रदर्शनी मेला में भाग लेबाक लेल कहल गेल अछि, जाहिसँ की कार्यक्रम कें सफल बनाओल जा सकय।