•केवल आयुष्मान कार्ड के पात्र लाभार्थ लोकनि कें भेटतनि नि:शुल्क चिकित्सीय सुविधा
•प्रिसक्रिप्शन रखबा सं भेटत छुटकारा
•जिला कें नोडल पदाधिकारी कें देल गेलन्हि वर्चुअल प्रशिक्षण।
•कार्यपालक निदेशक पत्र जारी क’ सिविल सर्जन के देलनि आवश्यक दिशा निर्देश।

मधुबनी,7 नवंबर स्वास्थ्य विभाग आ सरकार, स्वास्थ्य’के क्षेत्र में सुधार सब,आ नीक व्यवस्था के लेल,कईएक तरह’क योजना सब लागू केलन्हि।जाहिसँ की लोक सबकें नीक चिकित्सा सुविधा प्राप्त होइन्ह। सरकार,नित नव घोषणा सब आ प्रयास क रहल अछि। आब सरकार के नव दिशा निर्देशक अनुसारे आयुष्मान भारत डिजिटल मिशन कार्यक्रम केर तहत सब लोक सबकें डिजिटल आईडी बनाओल जायत। ओतहीं आयुष्मान योजना के पात्र लाभार्थि सब के नि:शुल्क चिकित्सा सुविधा देल जेतनि।कार्यक्रम के सफल क्रियान्वयन’क लेल जिला कें अनुश्रवण आ मूल्यांकन पदाधिकारी सुनील कुमार कें एक दिवसीय वर्चुअल प्रशिक्षण देल गेल छन्हि।आब बला दिन सब में जिला स्तर सं प्रखंड स्तर कें पदाधिकारी लोकनि कें प्रशिक्षित कैल जाएत।

कार्यक्रम कें सफल संचालन के लेल सिविल सर्जन डॉ सुनील कुमार झा कें,नोडल ऑफीसर आ जिला अनुश्रवण आ मूल्यांकन पदाधिकारी के जिला वेरीफायर बनाओल गेल अछि । ओतहि कार्यपालक निदेशक संजय कुमार सिंह, सेहो सिविल सर्जन कें पत्र जारी क’ आवश्यक दिशा निर्देश जारी कएलन्हि। सिविल सर्जन डॉ. सुनील कुमार झा, कहलनि जे आयुष्मान भारत योजना कें तहत नेशनल डिजिटल हेल्थ मिशन के अंतर्गत प्रत्येक रोगी कें एकटा आईडी कार्ड देल जेतनि।जाहि पर हुनकर सबटा मेडिकल डाटा डिजिटल स्टोर होयत। जेनाकि हुनकर इलाज, डिस्चार्ज,ब्लड ग्रुप , रिपोर्ट्स , डॉक्टर प्रिस्क्रिप्शन आ दवाइ सब सं संबंधित जानकारी आदि हेतन्हि।डिजिटल हेल्थ कार्ड 14 डिजिट के हैत।एहि कार्ड पर एकटा यूनिक क्यूआर कोड हैत। योजना कें तहत लाभार्थ लोकनि कें आलावा डॉक्टर, सरकारी आ गैर सरकारी अस्पताल ,क्लीनिक, डिपेंसरी आदि सबकें जोड़ल जायत। बिना यूज़र के जानकारी के डिटेल्स नहीं देखल जा सकैत अछि। हुनके लग पासवर्ड आ ओटीपी हेबाक चाही। मरीज कें अपन इलाज करेबाक लेल पुर्जा/ रिपोर्ट ल जेबाक जरूरत नहि पड़त। मरीज’क सबटा डाटा एहि हेल्थ आईडी कार्ड में स्टोर होयत आ हेल्थ आई डी कें माध्यम सं डॉक्टर मरीज’क सबटा डाटा देखि सकता। एहि योजना कें अंतर्गत अस्पताल क्लीनिक आ डॉक्टर सबटा एकटा केंद्रीय सरवर सं जुड़ल रहताह।एहि योजना कें अंतर्गत हेल्थ आईडी कार्ड लेब बला नागरिक सब कें एकटा यूनिक आईडी देल जाएत जकर माध्यम सं ओ सिस्टम में लॉगिन क सकताह।

आयुष्मान भारत डिजिटल मिशन कें उद्देश्य:

•स्वास्थ्य सुविधा सब कें कुशल बनेनाइ।
•सबटा नागरिक लोकनि तक स्वास्थ्य सेवा सब कें पहुंचेनाई।
•नागरिक सब केँ स्वास्थ्य डेटाबेस कें गोपनीय रखनाई।
•डेटाबेस कें समय पर उपलब्ध करेनाइ।
•हेल्थ केयर सुविधा सब केँ सुलभ बनेनाइ।

नेशनल डिजिटल हेल्थ मिशन की अछि :

नेशनल डिजिटल हेल्थ मिशन कें अंतर्गत देश’क डिजिटल स्वास्थ्य ढांचा सब कें एकत्रित कएल जेबाक एकटा प्रयास अछि। नेशनल डिजिटल हेल्थ मिशन कें अंतर्गत सरकार द्वारा की एकटा एहेन डेग उठाओल जा रहल अछि जकर माध्यम सं स्वास्थ्य व्यवस्था में सुधार आओत। हेल्थ आईडी कार्ड सेहो नेशनल डिजिटल हेल्थ मिशन केर एकटा हिस्सा अछि। जकर माध्यम सं सबटा मरीज’क स्वास्थ्य संबंधित डाटा एहि आईडी कार्ड में डिजिटल स्टोर कएल जाएत।