दरभंगा, 06 नवम्बर :- जिलाधिकारी डॉ. त्यागराजन एस.एम दरभंगा,नगर निगम के महापौर श्रीमती बैजंती देवी खेड़िया आ नगर आयुक्त मनेष कुमार मीणा के संग हराही पोखर आ किलाघाट छठि घाट के निरीक्षण कएलन्हि ।

      हराही पोखर के निरीक्षण के दौरान पाओल गेल जे पोखरि में लागल बैरिकेडिंग घाट सं बेसी दूर अछि, जाहि पर जिलाधिकारी, नगर आयुक्त, दरभंगा नगर निगम के पोखरि में लागल बेरिकेडिंग के घाट’क और लगीच करबाक आ घाट पर बनल सीढ़ी के फिसलन के रोकबाक लेल चून मिला’के ब्लीचिंग पाउडर के छिड़काव करबेबाक निर्देश देलन्हि।ओकर बाद जिलाधिकारी द्वारा किला घाट में बनल छठि घाट के निरीक्षण कैल गेल , जत पानि’क जलस्तर नीचाँ जएबाक कारणसँ,ओत थाल बनल अछि, एहि पर ओ छठि घाट पर जयबाक लेल बालू दिया के सुगम रास्ता बनाबए ल कहलनि आ घाट पर सेहो बालू दिया के ठीक करबेबाक निर्देश देलथि।

  ओतहि किलाघाट के बगल में जर्जर आ क्षतिग्रस्त मुंडा पुल के दुनू कात सं पूरा तरहें बेरिकेडिंग करबा के बंद करबाक निर्देश देल गेल जाहि सँ गलतीयो सं कियो श्रद्धालु ओहि पर नहि जा सकैथ।ओ नगर आयुक्त के दुनू छठि घाट सब पर पर्याप्त संख्या में लाइट लगाबई ल कहलनि। एकरा संगहि भीगो छठि घाट आ गंगासागर छठि घाट के सेहो नीक तरहें देखि के पूरा व्यवस्था क लेबाक लेल कहल गेल आ सबटा घाट सब पर बैरिकेडिंग आ लाइट के पर्याप्त व्यवस्था करबाक निर्देश देल गेल।

    एकरा संगहि बिजली विभाग के छठि घाट सब के निरीक्षण क यदि कत्तौ लटकल जर्जर तार पाओल जाइत अछि तखन ओकरा हटेबाक निर्देश देल गेल अछि संबंधित अंचलाधिकारी के हराही पोखर आ क़िलाघाट छठि घाट पर गोताखोर, नाव आ एन.डी.आर.एफ टीम के व्यवस्था करबाक निर्देश देल गेल। नगर निगम दरभंगा के 8 नवंबर तक सबटा छठि घाट सब पर सबटा निर्देशित व्यवस्था दुरुस्त क लेबाक निर्देश देल गेल अछि। छठि घाट निरीक्षण के दौरान सदर अनुमंडल पदाधिकारी स्पर्श गुप्ता आ संबंधित पदाधिकारी सेहो उपस्थित छलाह।