दरभंगा, 06 नवम्बर 2021 :- सचिव, राज्य निर्वाचन आयोग, बिहार द्वारा जिला निर्वाचन पदाधिकारी (पंचायत)-सह-जिलाधिकारी, दरभंगा सं प्राप्त संशोधित मतदान केन्द्र सब के गठन के प्रस्ताव’क जाँच के पश्चात बिहार पंचायत निर्वाचन नियमावली, 2006 के नियम – 26 के अन्तर्गत दरभंगा जिला अन्तर्गत जाले प्रखण्ड के बघौली पंचायत के मतदान केन्द्र संख्या – 142 प्राथमिक विद्यालय, बघौल भाग – 01 के बघौली, प्राथमिक कृषि साख सहयोग समिति लि.(पैक्स), बघौल, भाग – 01 में परिवर्तन क देल गेल।ओतहि मतदान केन्द्र संख्या – 143 प्राथमिक विद्यालय, बघौल भाग – 02 के बघौली प्राथमिक कृषि साख सहयोग समिति लि. (पैक्स), बघौल, भाग – 02 में परिवर्तन कैल गेल। दुनू मतदान केंद्र अपन मूल मतदान केंद्र सं 500 मीटर के दूरी पर अवस्थित अछि।
     गौरतलब अछि जे पूर्व में अनुमोदित मतदान केन्द्र चारू दिस सं पानि में घेरायल हेबाक कारणें उक्त मतदान भवन में मतदान करेनाइ संभव नहि अछि।