*सीओ आ थानाध्यक्ष एकरा करेतथि सुनिश्चित*

दरभंगा, 06 नवंबर :- कोविड19 यानी कोरोना संक्रमण सं बचाव आ सुरक्षा’क ल’के’दरभंगा जिला प्रशासन द्वारा छठि पूजा समिति सब सं अपील कैल गेल अछि जे ओ ई सुनिश्चित करैथ जे कोविड-19 सं सुरक्षा आ बचाव के लेल जे कियो टीका लगवा लेने छथि वैह छठि घाट सब पर आयोजित छठि पूजा में शरीक भ सकैत छथि। जे व्यक्ति एखन धरि टीका नहीं लगेलखिन , हुनका छठि घाट सब पर नहि जाय देल जाएत ।
    सरकार’क निर्देशानुसार बिना कोविड -टीकाकरण बला कोनो व्यक्ति छठि घाट सब पर प्रवेश नहि करताह। एकरा सुनिश्चित कराब हेतु जिला के सबटा अंचलाधिकारी आ थानाध्यक्ष के निर्देश देल जा चुकल अछि।
      एकरा संगहि सबटा अंचलाधिकारी के अपन अंचल के सबटा छठि घाट सबहक निरीक्षण केनाई आ गहीर पानि में जेबा सं रोकबाक लेल नीक तरह सं बांस बल्ला लगाके बैरिकेडिंग करबेबा आ रस्सी लगबेबा हेतु निर्देशित कएल गेल अछि। संगहि जाहि घाट सब में पानि बेसी रहै ओत गोताखोरों के प्रतिनियुक्ति करेनाइ आ  प्रमुख छठि घाट आ भीड़-भाड़ बला जगह सब पर नाव उपलब्ध करेबाक निर्देश देल गेल अछि।