पुरुष नसबंदी बेसी सुरक्षित आ सरल अछि- सिविल सर्जन
•जिला में 15 नवम्बर सं 4 दिसंबर धरि पुरुष नसबंदी पखवाड़ा केर आयोजन।
.दू चरण में पूरा हैत ई पखवाड़ा

दरभंगा,6 नवंबर,जिला में जनसंख्या स्थिरीकरण के ल’के स्वास्थ्य विभाग दिस सं की एकटा महत्वपूर्ण कार्यक्रम चलाओल जा रहल अछि। एहि कड़ी में स्वास्थ्य विभाग निर्णय लेलक अछि जे जिला में पुरुष नसबंदी पखवाड़ा केर आयोजन कयल जायत। एकरा ल’ के राज्य स्वास्थ्य समिति के कार्यपालक निदेशक संजय कुमार सिंह पत्र जारी करैत सबटा जिला के जिलाधिकारी आ सिविल सर्जन के आवश्यक दिशा-निर्देश देलैन। जारी पत्र में निर्देश देल गेल अछि जे जिला में 15 नवंबर से 4 दिसंबर तक पुरुष नसबंदी पखवाड़ा आयोजित करबाक निर्णय लेल गेल अछि। एहि वर्ष पुरुष नसबंदी पखवाड़ा के थीम “पुरुषों ने परिवार नियोजन अपनाया सुखी परिवार का आधार बनाया” देल गेल अछि।पखवाड़ा दू चरण में आयोजित कैल जाएत। पहिल चरण में 15 से 21 नवंबर तक “दंपति संपर्क सप्ताह” आ 22 नवंबर सं 4 दिसंबर तक “परिवार नियोजन सेवा पखवाड़ा” केर आयोजन कयल जायत।

योग्य दंपति के भेटतन्हि परिवार नियोजन के जानकारी:

पखवाड़ा के दौरान स्वास्थ्य कर्मचारी सबहक द्वारा स्वास्थ्य केंद्र सब पर आब बला योग्य दंपति के गर्भनिरोधक के संबंध में परामर्श दैत इच्छित गर्भ निरोधक साधन वा सेवा इच्छा अनुसार उपलब्ध कराओल जाएत। पखवाड़ा के दौरान आशा द्वारा कंडोम गर्भनिरोधक गोली सबहक वितरण पर विशेष ध्यान देल जाएत। लाभार्थी लोकनि बेर बेर केंद्र सब पर आब आ बेर बेर संपर्क सं बचबाक लेल कंडोम आ गर्भनिरोधक गोली के अलावे पैकेट आपूर्ति कएल जा सकैत अछि।

अधिक सरल अछि पुरुष नसबंदी:

सिविल सर्जन डॉ. संजीव कुमार सिन्हा कहलन्हि जे पुरुष नसबंदी मामूली शल्य प्रक्रिया अछि। ई महिला नसबंदी के अपेक्षा बेसी सुरक्षित आ सरल अछि। एकरा लेल न्यूनतम संसाधन, बुनियादी ढांचा आ न्यूनतम देखभाल के आवश्यकता अछि। पुरुष नसबंदी के’ल’ समाज में कई एक प्रकार’क भ्रम पसरल अछि। एहि भ्रम के तोड़ पड़त छोटा परिवार सुखी परिवार की अवधारणा के साकार करबाक लेल पुरुष के आगू बढ़िके जिम्मेदारी उठेबाक आवश्यकता अछि।

दू चरण में पूरा हैत पखवाड़ा:

जिला में दू चरण में पुरुष नसबंदी पखवाड़ा आयोजित कएल जाएत। 15 सं 21 नवंबर तक मोबिलाइजेशन आ 22 से 04 दिसंबर तक सेवा प्रदान किया जाएगा। मोबिलाइजेशन के मध्य आशा कार्यकर्ता वालंटियर योग्य दंपति सबके परिवार नियोजन के साधन अपनेबा लेल जागरूक करताह आ परिवार नियोजन कार्यक्रम के बारे में विस्तार सं चर्चा करताह। जकर बाद दोसर चरण में इच्छुक दंपति सब के इच्छा अनुसार परिवार नियोजन के सेवा सब उपलब्ध कराओल जाएत।