* पूर्वाह्न 9:00 बजे सं रात्रि 9:00 बजे तक चलि रहल अछि 17टा टीकाकरण केन्द्र*

वृहस्तपति दिन 01 लाख 67 हजार लोक सब कें लागत कोरोना के टीका

दरभंगा, 27 अक्टूबर 2021 :- दरभंगा जिला के सब लोक कें कोरोना महामारी सं सुरक्षित रखबाक लेल एक बेर फेर 28 अक्टूबर (वृहस्तपति दिन) के जिला में कोविड-19 टीकाकरण महाभियान चलाओल जा रहल अछि। एकरा लेल जिला प्रशासन आ स्वास्थ्य विभाग’क द्वारा सबटा तैयारि पूरा क’ लेल गेल अछि।
टीकाकरण महाभियान के तैयारी क’ ल’के उप विकास आयुक्त तनय सुल्तानिया द्वारा संबंधित पदाधिकारि सब कें संग ऑनलाइन समीक्षात्मक बैसक कैल गेल।
     बैसक के संबोधित करैत उप विकास आयुक्त आगिला दीपावली आ छईठ महापाबनि के देखैत आन राज्य सब आ जिले में आब बला सब लोक सब कें कोविड टेस्टिंग निश्चित रूप सं करेबाक निर्देश देल गेल अछि।
      उल्लेखनीय अछि जे एकरा लेल जिला में कोरोना- जाँच के लक्ष्य बढ़ा देल गेल अछि। अब प्रतिदिन 9,400 लोक सबकें कोरोना जाँच कराओल जा रहल अछि।
28 अक्टूबर (वृहस्तपति दिन) के आयोजित टीकाकरण महाभियान में 1.67 लाख लोक सब कें टीकाकरण करनबाक काज योजना बनाओल गेल अछि।एकरा लेल प्रत्येक पंचायत में कम सं कम एकटा टीकाकरण केन्द्र बनाओल गेल अछि। एकरा अतिरिक्त डोर-टू-डोर भ्रमण टीकाकरण दल द्वारा सेहो घरे-घर भ्रमण क’ छूटल लोक सबहक टीकाकरण कैल जैत। एकरा संगे संग जिले में 365 टीकाकरण सत्र स्थल बनाओल गेल अछि।      
       जिला में 17टा टीकाकरण केन्द्र पूर्वाह्न 9:00 बजे सं रात्रि 9:00 बजे तक चलि रहल अछि
        उल्लेखनीय अछि जे टीकाकरण महाभियान’क अन्तर्गत दरभंगा जिला में बुजूर्ग लोकैन, महिला सब आ काम-काजी लोक सबहक लेल विशेष सुविधा सबहक हेतु सिंहवाड़ा प्रखण्ड के 10+2 केदारनाथ स्कूल, सतीघाट प्रखण्ड के पुरनका भवन प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र,  सतीघाट प्रखण्ड परिसर, तारडीह प्रखण्ड के अतिरिक्त प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र, कुर्श मदियामी, जाले प्रखण्ड के हेल्थ वैलनेस सेन्टर, कमतौल, हायाघाट प्रखण्ड के +2 ललितेश्वर मधुसूदन उच्च विद्यालय, आनन्दपुर, कुशेश्वरस्थान प्रखण्ड के नगर पंचायत भवन, कुशेश्वरस्थान, केवटी प्रखण्ड के हेल्थ वैलनेस सेन्टर, खिरमा, किरतपुर प्रखण्ड के मध्य विद्यालय किरतपुर, बहादुरपुर प्रखण्ड के पंचायत सचिवालय भवन, बहादुरपुर, बिरौल प्रखण्ड के राष्ट्रीय ग्रामीण स्वास्थ्य मिशन (एन.यू.एच.एम.), बिरौल, गौड़ाबौराम प्रखण्ड के एच.एस.सी, नारी, सदर प्रखण्ड के अतिरिक्त प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र, बाजार समिति, मनीगाछी प्रखण्ड के प्राथमिक विद्यालय प्रखण्ड मुख्यालय मनीगाछी, घनश्यामपुर प्रखण्ड के बी.आर.सी., पुनहद, बहेड़ी प्रखण्ड के गंगदाह पंचायत भवन आ बेनीपुर प्रखण्ड के कर्पूरी भवन बेनीपुर में टीकाकरण केन्द्र बनाओल गेल अछि। ई कोविड वैक्सीनेशन सेन्टर प्रतिदिन भोरे 09:00 बजे सं रात्रि 09ः00 बजे तक चलि रहल अछि।
     28 अक्टूबर के छूटल सब लैक कोरोना सं सुरक्षा आ बचाव’क लेल अपन टीकाकरण करा सकैत छथि। जनतब हो जे चीन आ रूस में एक बेर फेर सं कोविड- 19 के प्रकोप प्रारंभ भ गेल अछि।
    जिला प्रशासन छूटल लोक सबसं अपील करैत अछि जे कोरोना के कहरि सं बचबाक लिए अपन टीकाकरण निश्चित रूप सं करा लिय।