Breaking News

दरभंगा, 26 अक्टूबर 2021 :-  सहायक निदेशक (नियोजन), अवर प्रादेशिक नियोजनालय, दरभंगा आशीष आनन्द द्वारा प्रेस विज्ञप्ति जारी करैत बताओल गेल जे श्रम संसाधन विभाग के तत्वाधान में संयुक्त श्रम भवन, रामनगर, लहेरियासराय आई.टी.आई के लगीच अवस्थित अवर प्रादेशिक नियोजनालय, दरभंगा केर माध्यम सं क्वेश कॉर्प लिमिटेड, गाजिलापुर, हैदराबाद द्वारा लगभग 800 ट्रेनी के पद हेतु 29 अक्टूबर 2021 के ऑफ लाईन जॉब कैंप के आयोजन कैल गेल अछि।
एहि जॉब कैंप में 18 वर्ष सं 24 वर्ष तक के केवल महिला अभ्यर्थी जिनकर न्यूनतम योग्यता 12वीं/आई.टी.आई/डिप्लोमा हऐछ, ओ शामिल भ सकैत छथि।
कंपनी द्वारा ट्रेनी क पद हेतु अधिकतम 11, 000 प्रतिमाह स्टायपेन देल जायत। कंपनी क निर्धारित मापदंड’क आलोक मे इच्छुक अभ्यर्थी अपन-अपन बायोडाटा के संग जॉब कैंप में भाग ल सकैत छथि । जॉब कैंप में भाग लेबाक लेल अभ्यर्थी के Ncs Portal पर निबंधन भेनाइ अनिवार्य अछि ।