दरभंगा 25 अक्टूबर 2021 :-  संयुक्त मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी, बिहार द्वारा पत्र निर्गत क कहल गेल अछि जे 78-कुशेश्वरस्थान (अ. जा.) विधान सभा निर्वाचन क्षेत्र मे बिहार विधान सभा के उप निर्वाचन, 2021 क अवसर पर 30 अक्टूबर 2021 (शनिदिन ) क मतदान निर्धारित अछि ।
लोक प्रतिनिधित्व अधिनियम, 1951 क धारा 135 (ख) म निहित प्रावधान सबहक आलोक मे कोनो कारबार, व्यवसाय, औद्योगिक उपक्रम या आन स्थापन म नियोजित प्रत्येक व्यक्ति के, जे लोक सभा या कोनो राज्य’क विधान सभा क लेल निर्वाचन म मतदान करबाक हकदार छथि। एहि संबंध म सामान्य प्रशासन विभाग, बिहार सरकार द्वारा मतदान’ क दिन सवैतनिक सार्वजनिक अवकाश घोषित करबाक अधिसूचना निर्गत कैल गेल अछि ।
     एकर के आलोक में 78-कुशेश्वरस्थान (अ. जा.) विधान सभा निर्वाचन क्षेत्र म मतदान’क दिन 30 अक्टूबर 2021 (शनिवार) के सवैतनिक सार्वजनिक अवकाश के मंजूरी कैल जैत।