दरभंगा 25 अक्टूबर 2021 :- पंचायत आम निर्वाचन, 2021 केर अवसर पर बनाओल गेल बज्रगृह आ मतगणना हॉल, बाजार समिति शिवधारा, दरभंगा मे बहादुरपुर प्रखण्ड केर मतगणना कार्य दिनांक 26 अक्टूबर आ 27 अक्टूबर 2021 के भोरे 8:00 बजे सं निर्धारित अछि ।
मतगणना क काज शांतिपूर्ण आ निष्पक्ष ढंग सं संपन्न करेबा आ विधि-व्यवस्था संधारण हेतु बज्रगृह आ मतगणना हॉल पर विधि-व्यवस्था बना’क रखबाक हेतु सदर अनुमण्डल पदाधिकारी, दरभंगा स्पर्श गुप्ता द्वारा दंड प्रक्रिया संहिता के धारा 144 क तहत प्रदत्त शक्तियों के प्रयोग करैत उपरोक्त मतगणना स्थल पर दिनांक 26 अक्टूबर क भोरे 5:00 सं ल’ क मतगणना काज’क समाप्ति धैर मतगणना स्थल केर लग-पास 200 गज के परिधि में  निषेधाज्ञा लागू क देल गेल अछि।
एहि आदेश के तहत 200 गज’क व्यासार्द्ध (परिधि) मे शांति भंग करबाक उद्देश्य सं पाँच या ओहि सं बेसी लोक सब के एकत्रित हेबा, कोनो भी व्यक्ति क लाठी, भाला, गड़ासा, छुरा वा आन घातक हथियार, अग्नेयास्त्र विस्फोटक इत्यादि ल’क चलबा पर पूरा तरहें पाबंदी लगा देल गेल अछि। एकरा संगे संग ध्वनि विस्तारक यंत्र क प्रयोग आ उपयोग सेहो निषिद्ध क’ देल गेल अछि।
अनुमंडल दंडाधिकारी कहलनि अछि जे एहि आदेश’क उल्लंघन कर बला सब पर सुसंगत धारा सब क’ तहत क़ानूनी कार्रवाई कैल जैत।
ई आदेश मतगणना काज मे नियुक्त सरकारी पदाधिकारी, आरक्षी आ सैन्य बल’क कर्मचारी पर आ सरकारी वा प्रशासन द्वारा निर्गत पास धारि सब, शांतिपूर्ण मतगणना कार्य मे लागल कर्मियों पर आ शवयात्रा, धार्मिक जुलूस, शादी-ब्याह’क कार्यक्रम मे शामिल लोक सबहक मामिला म’ शिथिल रहत।