Breaking News

दरभंगा दिनांक-26.10.2021 के आयोजित क्रीड़ा परिषद केर बैसक प्रो० एस० पी० सिंह माननीय कुलपति ल० न० मि० विश्वविद्यालय,दरभंगा केर अध्यक्षता में कएल गेल। विश्वविद्यालय खेल विभाग द्वारा कुल 9टा प्रस्ताव अनुमोदन हेतु उपस्थापित कैल गेल छल। बैसक सं सम्बन्धित प्रस्ताव मे किछु संसोधनोपरांत सबटा मद सब कें स्वीकृत क देल गेल। प्रस्तावित खेल कैलेंडर के अनुमोदित करैत खेल’क आधारभूत संरचना, डॉ नागेंद्र झा स्टेडियम केर विकास करबाक चर्चा सेहो कैल गेल।
खिलाड़ि सबहक कठिनाइ सबके ध्यान मे राखैत खिलाड़ियों सबहक दैनिक भत्ता बिहार’क भीतर ₹250 सं बढ़ाकर ₹350 क देल गेल आ बिहार के बाहर ₹300 के बढ़ाक’ ₹400 कैल गेल।
पी टी आई केर नियुक्ति पर माननीय कुलपति महोदय सरकार सं अनुमति प्राप्त करबाक हेतु प्रक्रिया करबाक लेल निर्देशित कएलन्हि ।
सबटा महाविद्यालय मे खेल गतिविधि हो आ दिन 17.10.2021 सं हुअबला अंतर महाविद्यालय प्रतियोगिता सही तरीके सं आयोजित भ सकै तकर दिशानिर्देश कुलसचिव प्रो. मुस्ताक अहमद क माध्यमे देल गेल ।
आजुक बैसक मे वित्त पदाधिकारी सह वित्तिय परामर्शी श्री कैलाश राम, कुलसचिव प्रो० मुश्ताक अहमद, ए आई एच एण्ड सी के विभागाध्यक्ष प्रो उदय नारायण तिवारी, एम आर एम महाविद्यालय के प्रधानाचार्य प्रो. अरविंद कुमार झा,जे एम डी पी एल के प्रधानाचार्य, उप खेल पदाधिकारी श्री अमृत कुमार झा आ क्रीड़ा समिति के सचिव प्रो . अजय नाथ झा बैसक केर कार्रवाई में शामिल छलैथ।