दरभंगा, 08 नवम्बर :- अपर जिला न्यायाधीश-सह- सचिव जिला विधिक सेवा प्राधिकार, दरभंगा जावेद आलम के द्वारा आदेश निर्गत करैत कहल गेल अछि जे 10 आ 11 नवम्बर 2021 के अमृत महोत्सव केर अवसर पर अखिल भारतीय विधिक जागरूकता कार्यक्रम के अन्तर्गत दरभंगा शहरी क्षेत्र’क प्रमुख छठि घाट सब पर यथा -हराही छठि घाट पोखरि,सैदनगर काली मंदिर छठि घाट पोखरि,गंगासागर छठि घाट पोखरि,पंडासराय गुमटी तालाब छठि घाट पोखरि आ शिव मंदिर छठि घाट पोखरि,बसंतपुर बहादुरपुर पर पारा विधिक स्वयंसेवक सबहक द्वारा लोक सबहक बीच विधिक जागरूकता कैल जाएत।
प्रतिनियुक्त पारा विधिक स्वयं सेवक सब कें नाम आ मोबाइल नम्बर एहि प्रकारे अछि:-
दरभंगा रेलवे स्टेशन के लगीच हराही छठि घाट पोखरि पर मो. वसीम अकरम, मोबाईल नम्बर – 9934639164 आ शम्भू कुमार, मोबाईल नम्बर – 8862946567 के विधिक जागरूकता करबाक हेतु प्रतिनियुक्त कैल गेल अछि। ओतहि सैदनगर काली मंदिर छठि घाट पोखरि पर गौड़ी शंकर पासवान मोबाईल नम्बर – 6201458156 आ मनोज कुमार पासवान, मोबाईल नम्बर – 9973996092 के , अल्लपट्टी के लगीच गंगासागर छठि घाट पोखरि पर बीरेन्द्र कुमार आनन्द, मोबाईल नम्बर – 8083303970 आ चन्द्र शेखर आनन्द, मोबाईल नम्बर – 7903361566 के , लहेरियासराय के लगीच पंडासराय गुमटी तालाब छठि घाट पोखरि पर अमृता कुमारी, मोबाईल नम्बर – 9006594854 आ अर्चना कुमारी, मोबाईल नम्बर – 8877341686 के आ बसंतपुर बहादुरपुर के लगीच शिव मंदिर छठि घाट पोखरि पर रमेश पासवान, मोबाईल नम्बर – 9572516523 के प्रतिनियुक्त कैल गेल अछि।
08 Nov 2021