कातिक मास के शुक्ल पक्ष’क एकादशी के देवउठाऊन एकादशी कहल जाइत अछि।आ ई त अपना सबकें बुझले होएत जे एकादशी कें तिथि भगवान विष्णु के समर्पित रहैत अछि,मान्यता अछि जे आजुक दिन कैल गेल पूजा के फल दोगुना भेटैत अछि।भक्तगण आजुक दिन विधि-विधान सं भगवान विष्णु केर पूजा-अर्चना करैत छथि। एहेन मान्यता अछि जे एहि दिन भगवान विष्णु चारि महीना के शयन काल पूरा केलाक बाद जागैत छथि।मिथिलांचल में घर आंगन, गाछ वृक्ष सब के पिठार के थाप द जगाओल जाइत अछि संगहि घर आंगन में अरिपन सेहो बनाओल जाइत अछि।जे बीच आंगन से भगवान घर’क मोख धैर बनाओल जाइत अछि। धार्मिक मान्यता सबहक अनुसारे एकादशी से संबंधित तुलसी विवाह’क अतिरिक्त कई एकटा खिस्सा प्रचलित अछि।

जाहि मे एकटा कथा क’ अनुसारे भाद्रपद मास’क शुक्ल पक्ष’क एकादशी कें श्रीहरी विष्णु, शंखासुर नाम’क दैत्य के वध केने छलैथ। दुनू के बीच घमसान युद्ध चलल छल. युद्ध मेँ शंखासुर के वध’क बाद जेनहिए युद्ध समाप्त भेल भगवान विष्णु बहुत बेसी थैक गेलाह। ताहि कारणें युद्ध समाप्त होईते ओ शयन करबाक लेल प्रस्थान क’ गेलाह।तखन भगवान क्षीरसागर में जा सूईत रहलाह आ ओकर बाद ओ कार्तिक शुक्ल पक्ष के एकादशी के जगलाह.

एकर अलावा और पौराणिक कथा सब प्रचलित अछि जाहि मे एकटा पौराणिक कथा बहुत प्रचलित अछि, जकर अनुसारे , एक बेर माता लक्ष्मी भगवान विष्णु सं पूछलथि”हे स्वामी अहाँ राति-दिन जागतै रहैत छी ही वा फेर लाखों-करोड़ों वर्ष तक योग निद्रा में रहैत छी अहाँ के एना कएलासँ संसार के सब प्रकार’क प्राणि सबके कई एकटा परेशानी सबहक सामना कर पड़ैत छैन्ह. अहाँसँ अनुरोध अछि जे अहाँ नियमबद्ध रूप सं प्रतिवर्ष शयन क’ लेल करी। अहाँ क एहि नियम सं हमरो किछु समय विश्राम करबाक लेल भेट जायत।

लक्ष्मी जी के बात सुईन भगवान नारायण मुस्कियैत जबाब दैत कहलन्हि – ‘देवी! अहाँ ठीके कहैत छी,हमरा कारणें अहूँ के विश्राम नहि भेट पाबैत अछि अतः अहाँ क कहबा अनुसारे आब हम प्रतिवर्ष चारि महीना शयन करबाक लेल निर्धारित करैत छी। हमर ई निद्रा “अल्पनिद्रा” आ प्रलय कालीन निद्रा “महानिद्रा” कहायत। हमर ई अल्पनिद्रा भक्त गण के लेल परम मंगलकारी होयत. एहि काल में जे केयो भक्त हमर शयन कालमें हमर सेवा भाव आ जागरण केर उत्सव के आनंदपूर्वक आयोजित करताह हुनका घर में, हम अहाँ के संग निवास करब।

एहि कथा क अतिरिक्त व्रती भक्तगण आनो कथा क श्रवन आनन्द उठबैत छथि।

एकादशी पर कखनो नहि करी ई काज

1. आजुक दिन भात खेनाई पूर्णतः ​वर्जित मानल गेल अछि. एकर अलावे मांसाहार वा तामसिक गुण बला चीज सबहक सेवन करबा सं सेहो बचबाक चाही।

2. व्रती लोकैन एकादशी के दिन लकड़ी के दतमैन वा पेस्ट सं दांत साफ नहि करैथ. किया की एहि दिन कोनो गाछ-पात के नुकसान नहि पहुंचेबाक चाही।

3. एकादशी के दिन तुलसी पात तोड़बा सं बची, किया कि तुलसी भगवान विष्णु के प्रिय छथि।

4. भोग लगेबाक लेल पहिले तुलसी पात तोईड़ लेबाक चाही,मुदा अर्पित कैल गेल तुलसी स्वयं ग्रहण नहि करी।

5. व्रत रखनिहार कखनहुं वर्जित वस्तु के सेवन नहि करथि .
6. आजुक दिन घर में भूलहुं स कलह नहि करी।