उत्तर प्रदेश, वाराणासी।आध्यात्मिक नगरी काशी सं सौ साल पहिने चोरी भेल मां अन्नपूर्णा के मूर्ति के पुनर्स्थापना सोमदिन काशी विश्वनाथ धाम में भ चुकल अछि।मां अन्नपूर्णा’क पालकी के मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ स्वयं कानहा द’ मंदिर परिसर में प्रवेश करेलनि आ हुनके उपस्थिति में मूर्ति के प्राण-प्रतिष्ठा सेहो भेल।

पूजा के आयोजन कार्यक्रम भोरे सं प्रारंभ भ गेल छल। पूजन के मध्य धाम के सबटा पुजारी उपस्थित छलाह।सीएम योगी स्वयं अपनहि हाथ सं मां अन्नपूर्णा के प्रतिमा के स्थापित कएलन्हि।।

मंदिर परिसर में मूर्ति की प्राण प्रतिष्ठा के लेल आयोजित कार्यक्रम में सीएम योगी के अलावा मंत्री नीलकंठ तिवारी, मंत्री अनिल राजभर के अलावा नगर विकास मंत्री आशुतोष टंडन सेहो उपस्थित छलाह।

मां अन्नपूर्णा’क मूर्ति के पुनर्स्थापना सं पहिले हुनकर पालकी के नगर में घुमाओल गेल।दुर्गाकुंड सं भोर सात बजे जखन माता के पालकी विदा भेलन्हि तखने सं भरि रास्ता फूल’क वर्षा होइत रहल।मूर्ति के मंदिर परिसर पहुंचैते ही सीएम योगी स्वयं पालकी के कनहा द’ मंदिर में प्रवेश करेलनि।आ मां अन्नपूर्णा के अपनहि हाथ सं स्थापित क चांदी का छत्र समर्पित कएलन्हि।