दरभंगा शहर के अल्लपट्टी राजपूत मोहल्ला स हड़ाओल बालक अपूर्व सिंह भेट गेलाह। प्राप्त जानकारी के अनुसार ओ कोलकाता चलि गेल छलाह।हुनकर भेटवा क खबरि सुईन समस्त व्यक्ति हर्षित छथि।दरभंगा, शहर’क लहेरियासराय थाना क्षेत्र के बेंता ओपी अंतर्गत अल्लपट्टी दोनार रोड के बीच इमली गाछक सामने स्थित कॉलोनी में धीरेन्द्र सिंह के मकान’क किराएदार शिक्षिका रीनू देवी के 15 वर्षीय पुत्र माही सिंह रविदिन भोरे 9.30 बजे सं लापता छलैथ।

जनतब रहै जे दरभंगा वरीय पुलिस अधीक्षक बाबू राम के तत्परता सं बालक अपूर्व सिंह माही जल्दीये भेट गेलाह।