Breaking News

दरभंगा, 15 नवम्बर– जिला निर्वाचन पदाधिकारी (पंचायत) -सह-जिलाधिकारी, दरभंगा डॉ. त्यागराजन एस.एम द्वारा निर्वाची पदाधिकारी (जिला परिषद)-सह-अनुमण्डल पदाधिकारी, बिरौल आ निर्वाची पदाधिकारी (पंचायत)-सह-प्रखण्ड विकास पदाधिकारी, किरतपुर के पत्र निर्गत करैत कहलनि जे किरतपुर प्रखण्ड के पंचायत चुनाव’क लेल मतगणना स्थल महिला आई.टी.आई, रामनगर सं बदलि के बाजार समिति, शिवधारा क’ देल गेल अछि।उल्लेखनीय अछि जे जिला निर्वाचन पदाधिकारी (पंचायत)- सह- जिलाधिकारी, दरभंगा द्वारा उक्त प्रस्ताव राज्य निर्वाचन आयोग,बिहार के प्रेषित कैल गेल छल। राज्य निर्वाचन आयोग,बिहार द्वारा प्रस्ताव पर अनुमोदन प्रदान क’ देल गेल अछि।
  
उल्लेखनीय अछि जे 12 दिसम्बर 2021 के किरतपुर प्रखण्ड’क मतदान तिथि निर्धारित अछि, जकर मतगणना के काज 14 आ 15 दिसम्बर क केल जेबाक अछि।