Breaking News

•100 सं बेसी मरीज लोकनि के जांच आ परामर्श देल गेलन्हि
•डायबिटीज सं बचबाक लेल जीवनशैली में बदलाव जरूरी: डॉ आर के सिंह
•डायबिटीज’क रोकथाम के लेल नियमित रूप सं करी योगासन
•मरीज लोकनि कें संयम आ सतर्कता अत्यंत जरूरी

मधुबनी/14 नवंबर विश्व मधुमेह दिवस के उपलक्ष्य में सदर अस्पताल में जागरूकता कार्यक्रम केर आयोजन कैल गेल।कार्यक्रम’क शुभारंभ एसीएमओ डॉ आर के सिंह दीप प्रज्वलित क केलनि। मौका पर शिविर लगा के 100 सं बेसी मरीज सब कें जांच आ परामर्श देल गेल। एहि मौका पर डॉ. सिंह कहलनि जे विश्व के हर पांचम व्यक्ति मधुमेह के रोगी छथि। एहि बीमारी क’ ल’ दिन प्रतिदिन स्थिति भयावह भेल जा रहल अछि। परहेज, व्यायाम आ दवाई सबहक माध्यम स एहि पर नियंत्रण पाबि लंबा आ स्वस्थ जीवन जीयल जा सकैत अछि।एहेन में आवश्यकता लोक सबकें जागरूक करबाक अछि। एकरा नियंत्रित करबाक लेल जीवनशैली आ खानपीन में बदलाव अनबाक जरूरत होईत अछि। एकर अलावे योग आ व्यायाम के प्रतिदिन में अपन दिनचर्या के हिस्सा बनेबाक चाही। जे नहि केवल मधुमेह बल्कि आन-आन बीमारी सब जेना की उच्च रक्तचाप, हृदय रोग सब सं सेहो बचायत।

शुगर जांच करेनाइ बस डायबिटीज के नहि अछि समुचित इलाज:

एनसीडीओ डॉक्टर एसपी सिंह कहलनि मधुमेह के मरीज सबहक लेल संयम आ सतर्कता आवश्यक अछि। मरीज खानपान आ स्वास्थ्य के बेहतर ध्यान राखिके एहि बीमारी पर नियंत्रण राखि सकैत छथि। दवाई के नियमित सेवन रक्त शर्करा के नियमित निगरानी सटीक आहार आ व्यायाम के मददि सं एहि बीमारी के नियंत्रित राखल जा सकैत अछि। डॉ सिंह कहलनि जे डायबिटीज मरीज के शुगर नियंत्रित नहि रहला पर 5 सं 10 दिनक भीतर किडनी के नुकसान शुरू भ’ जैत अछि।

डायबिटीज’क रोगी की करथि आ की नहि करैथ :

•डायबिटीज में कम आ आसानी सं पचब बला भोजन करबाक चाही।
•भोरमे जल्दी उईठ व्यायाम के लेल समय निकालबाक चाही, रोज प्राणायाम योग व्यायाम जरूरे करबाक चाही।
•सुस्त जीवन शैली के बदला में सक्रिय जीवन शैली के अपनेबाक चाही।
•साइकिलिंग, जिम, स्विमिंग, जे किछु पसिन्न हो ओकरा 30 सं 40 मिनट तक जरूरे करबाक आदत बनेबाक चाही।
•डायबिटीज में अपना सब सबटा मौसमी आ रस बला फल खा सकैत छी।
•डाइट में सुसुम पानि, छाछ, जौ के दलिया आ मल्टीग्रेन आटा (मिलाजुला अनाज) राखबाक चाह।
•डायबिटीज के रोगी कें दिन में सुतबाक चाही मल मूत्र आदि के वेग के नहि रोकबाक चाही।
•मांसाहार, शराब आ सिगरेट एकरा सबहक प्रयोग नहि करबाक चाही।
•डायबिटीज’क रोगी के बेसी सं बेसी पानि पीबाक चाही। एहन मे भ सकै त नींबू पानि ली, किया त हुनकर सेहत के लेल और नीक होयत।
•डिब्बाबंद आहार, बसिया खेनाई, जंक फूड, बेसी तेल मसाला बला भोजन कखनहुं नहि खएबाक चाही।