#MNN@24X7 दरभंगा। आइ आकाशवाणी दरभंगा में कम्पीयर्स सबहक द्वारा एकटा समारोह आयोजित कैल गेल। जाहि कार्यक्रम मे आकाशवाणी दरभंगा कऽ जानल मानल कम्पीयर विजय नाथ मिश्र जी के सेवानिवृत्त के अवसर पर सम्मान पूर्वक विदाई देल गेलन्हि।

एहि अवसरपर कार्यक्रम अधिशासी अमरनाथ प्रसाद आ प्रसारण अधिशासी विनीत कुमार ठाकुर, विजय नाथ मिश्र केर (श्रोता लोकनिक छोटन भाई)सम्मान पाग-दोपटा,कलम आ अंग-वस्त्रसँ केलथि। संगहि हुनक सहकर्मी लोकनि सेहो छोटन भाई केँ जीवनक एकटा पारी सफलतापूर्वक समाप्त क’ दोसर पारी आरंभ करबाक लेल शुभकामना आ बधाई देलैथ।

जनतबक लेल कहि दी जे छोटन भाई आकाशवाणी दरभंगासँ लगभग 35 वर्ष धरि अपन मधुर वाणी सं श्रोता लोकनिक हृदय पर राज केलनि। एहि अवसरपर उपस्थित हुनक सहकर्मी लोकनि अपन-अपन विचार व्यक्त करैत हुनक व्यक्तित्व आ कृतित्त्वक प्रशंसा करैत हुनकर दीर्घ, सफल आ सुखद जीवनक कामना केलनि।

एहि अवसर पर उपस्थित समस्त व्यक्ति अपन मोनक उद्गार सेहो व्यक्त क’ छोटन भाई केँ शुभकामना देलथि। नीतू कुमारी एहि अवसर पर कविता क माध्यम सँ अपन भाव प्रकट प्रकट करैत कविता पाठ कएलन्हि। –

दुखी मोन अछि नोर आँखिमे
शब्द कोनो नहि फुरा रहल
मात्र विजय नहि विजय नाथ छी
बनल यैह अहाँकेर सम्बल ।।

विशाल हृदय रहल अपनेकेर
छोटन भाई भने छल नाम
श्रोता सभक हृदय वास छल
मधुर बोल बनल पहिचान ।।

बनल रहय आशीष अहाँ केर
सदति सहाय रहथु भगवान
विदाईक एहि पलमे हमसभ
स्वस्थ्य जीवन केर दी शुभकाम।।
नीतू झा—-

एहि अवसर पर अमरनाथ प्रसाद,बिनीत कुमार ठाकुर, सुरेन्द्र पासवान, अखिलेश कुमार झा,देव नारायण यादव, गोपाल कृष्ण श्रीवास्तव, शंकर कुमार चौधरी,गोपीचन्द्र झा, अमरेश झा,रंजना झा,माला झा, रंजू झा, नीतू कुमारी, मीनू कुमारी, मोनी कुमारी सहित समस्त आकाशवाणी परिवार जुटल छल। जखन कि एहि कार्यक्रम केऽ संचालन अनिल कुमार कर्ण कऽ रहल छलाह।