Breaking News

29 नवंबर सं एमआरएम से होयत शुरूआत।

दरभंगा. आजादी के अमृत महोत्सव’क आयोजन के अंतर्गत आकाशवाणी दरभंगा युवा प्रतिभा लोकनिक के ताकत। महानिदेशालय सं भेटल निर्देश के आलोक मे आकाशवाणी दरभंगा केन्द्र अपन क्षेत्राधीन जिला सब के कॉलेज आ संस्थान सब में प्रतियोगिता के माध्यम सं
क्षेत्र’क युवा मेधा कें ताकि के आनत। आकाशवाणी दरभंगा के कार्यक्रम अधिशासी(समन्वय) अमरनाथ प्रसाद कहलन्हि जे एकर प्रारम्भ 29 नवंबर से भ’ रहल अछि।

एहि कड़ी में पहिल टैलेंट हंट प्रोग्राम दरभंगा शहर के एमआरएम कॉलेज में कैल जायत। ओहि ठामक स्नातक सं नीचाँ के छात्रा सबहक बीच प्रतियोगिता आयोजित कैल जाएत,जकर आधार पर विजेता के चयन कैल जायत। विजयी प्रतिभागी के प्रतिभागिता प्रमाण पत्र के संगहि संग पुरस्कृत सेहो कैल जेतनि। संगहि हुनका रेडियो पर एआइआर नेक्स्ट
कार्यक्रम प्रस्तुत करबाक अवसर सेहो प्राप्त हैत। प्रतिभा खोज’क लेल निर्धारित विषय सब मे “मेरे सपने का भारत, आनेवाले कल में सशक्त महिलायें, मेक इन इंडिया-स्किल इंडिया, मेरे यूथ आइकन्स आ रोल मॉडेल्स के संगहि संग भारत’क नवनिर्माण में गाँव आ शहर के भूमिका सम्मिलित अछि। श्री प्रसाद ने कहलनि जे एहि विषय सब में सं कोनो एकटा विषय युवा प्रतिभागी तय क सकैत छथि। आकाशवाणी के एहि अनोखा पहल के लाभ युवा लोकनि उठा सकैत छथि। एकरा सफल बनेबाक लेल केंद्र’क कार्यक्रम प्रमुख डॉ उमाशंकर झा के संगहि संग पूरा टीम जुटल अछि।