दरभंगा:स्कूल ऑफ़ जर्नलिज्म एंड मास कम्युनिकेशन अपन पहिल बैच के शुरुआत कर जा रहल अछि। बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड स्कीम में पाठ्यक्रम के मंजूरी के देखैत आवेदन पत्र भरबाक अंतिम तिथि 03 नवम्बर, 2021 तक बढ़ा देल गेल अछि। सत्र के विधिवत शुरुआत आब 12 नवम्बर के कैल जाएत। जनतब रहे जे स्कूल ऑफ जर्नलिज्म एंड मास कम्युनिकेशन पटना के मीठापुर में अवस्थित अछि । एत छात्र लोकनि के मीडिया लैब सं जुड़ल सबटा आधुनिक संसाधन मुहैया कराओल जैत जे छात्र लोकनि के सर्वांगीण विकास में मददगार हेतैन। छात्र लोकनि के लेल कंप्यूटर के संगहि संग अत्याधुनिक उपकरण आ उत्कृष्ट शैक्षणिक माहौल एहि संस्थान के विशेषता अछि।

आब बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड स्कीम के सुविधा

बिहार सरकार द्वारा आर्यभट्ट ज्ञान विश्वविद्यालय में सेंटर ऑफ एक्सीलेंस के रूप में स्थापित स्कूल ऑफ जर्नलिज्म एंड मास कम्युनिकेशन के पत्रकारिता आ जनसंचार में एमए (सत्र 2021-23) के लेल आवेदन कर बला छात्र-छात्रा लोकनि आब बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड स्कीम के लाभ उठा सकताह। शिक्षा विभाग संकल्प जारी क एमए इन जर्नलिज्म एंड मास कम्युनिकेशन पाठ्यक्रम के बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना के अंतर्गत मान्य क देलक अछि। एहि पाठ्यक्रम सं सम्बंधित आवेदन सब कें आवेदन के स्वीकृति आ वितरण के काज नियमानुसार कैल जायत। एहि आदेश कें तत्काल प्रभाव सं लागू कैल गेलअछि आ एहि प्रस्ताव पर शिक्षा मंत्री के अनुमोदन प्राप्तअछि। स्कूल ऑफ़ जर्नलिज्म एंड मास कम्युनिकेशन हर वर्ग कें विद्यार्थि लोकनि के मौक़ा देबा के उद्देश्य सं चिट्ठी लिख के शिक्षा विभाग के एम ए इन जर्नलिज्म एंड मास कम्युनिकेशन पाठ्यक्रम के बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना में शामिल करबाक लेल अनुरोध केने छलैथ।

बिहार के छात्र लोकनि के लेल सुनहरा अवसरि

एखन धरि बिहार के छात्रो लोकनि के पत्रकारिता आ जनसंचार में गुणवत्तापूर्ण शिक्षा प्राप्त करबाक लेल बिहार सं बाहर जै पड़ैत छल। एहि संस्थान के स्थापना सं विद्यार्थिय लोकनि के सामने एकटा उत्कृष्ट आ आधुनिक संस्थान विकल्प के तौर पर सामने आओल अछि। बिहार सरकार द्वारा स्थापित संस्थान में तमाम सुविधा सब नई केवल मुहैया करओलो गेल अछि बल्कि प्रशिक्षण देबाक लेल सेहो पर्याप्त व्यवस्था अछि। संस्थान के उद्देश्य नई केवल बिहार बल्कि पूरा देश के लेल एहि क्षेत्र में प्रशिक्षित मानव संसाधन तैयार केनाई अछि।

संस्थान क डायरेक्टर जानल-मानल शिक्षाविद छथि

एहि संस्थान के डायरेक्टर देश क जानल-मानल शिक्षाविद डॉ. इफ्तेख़ार अहमद छथि। एत सं पहिले पुणे स्थित फ़िल्म आ टेलिविज़न संस्थान (एफटीआईआई)आ जामिया मिलिया इस्लामिया में कार्यरत छलैथ। हिनकर पूरा ज़ोर संस्थान के द्वारा छात्र-छात्रा लोकनि के गुणवत्तापूर्ण शिक्षा प्रदान केनाई आ इंडस्ट्री के लेल तैयार केनाई अछि। ई चाहैत छथि जे एत सं निकल बला छात्र-छात्रा लोकनि के नौकरी के ताक में बउए नई पड़ै। ओ चाहैत छथि जे अगर छात्र-छात्रा लोकनि चाहैथ त ओ स्वयं मीडिया इंटरप्रेन्योर भ के स्वावलंबी बनैथ।
एमए में प्रवेश करबाक लेल आवेदन पत्र आ दिशानिर्देश संस्थान के वेबसाइट https://sjmc.ac.in/ma-sjmc.php पर उपलब्ध अछि। e-mail: sjmcpatna@gmail.com; Tel: 0612-2952742