देशभैर में रैबदिन करवा चौथक पाबनि क जबरदस्त धूम रहल।दिन में पाबनि क लक बाजार म चहल-पहल लागले रहल।सुहागिन सांझुका चांद’क दर्शन करबा वास्ते छतों पर देखबा म एली। दिल्ली आ एनसीआर के एक हिस्सा मे मौसम खराब रहला सं चांद के देखबा में बेस दिक्कत भेल ।मौसम विभाग’ क अनुसारे दिल्ली आ लगपास’क इलाका में तेज हवा आ बारिश सं चांद देखबा में परेशानी भेल ।बारिश सं कईएक इलाका में बिजली गायब रहल।

प्राप्त जानकारी के मुताबिक गाजियाबाद में रैबदिन के सांझ एकाएक मौसम करोट बदैल लेलक। इलाका सब में तेज हवा आ बारिश सं मौसम सुहनगर भ गेल। कई एक ठाम करवा चौथ मना रहल महिला लोकनि कें चांद देखबा मे दिक्कत ऐल।एहि सं पहिने सेहो मौसम विभाग तेज हवा क बीच बारिश के संभावना जतौने छल। मौसम विभाग कहने छल जे दिन भरि आसमान में बादल आबैत जैत रहत

एहि सं पहिने मौसम पूर्वानुमान में विभाग बतौने छल जे रैबदिन सांझ बारिश आ हवा क सिलसिला देखबा म ऐत।मुन्हैर सांझ दिल्ली एनसीआर’क की एक इलाका सब में तेज हवा क संग बारिश सैहो भेल ।मौसम विभाग’क पूर्वानुमान के मुताबिक सोमदिन भोर तक दिल्ली, हरियाणा, चंडीगढ़, पश्चिमी उत्तर प्रदेश, राजस्थान में मौसम में बदलाव हेबाक संभावना छै।एहि दौरान हल्लुक सं मध्यम बारिश भ सकैत अछि।