•जलजमाव बला शहरी क्षेत्रों में लार्विसाइडल के छिड़काव
•डेंगू पसारई बला एडीज मच्छर के अनुकूल मौसम हेबा पर मच्छर लगला सं भ जाइत अछि शुरू
•डेंगू बला मच्छर सब के बढ़ेबा में एसी, कूलर आ फ़्रिज के भूमिका महत्वपूर्ण होइत अछि।

मधुबनी 27 अक्टूबर। जिला में डेंगू के मामिला भेटला सं विभाग पूरा तरहें अलर्ट भ’ गेल अछि । बितलाहा दू-तीन दिन पहिले जयनगर में डेंगू के 1 मामिला भेटबाक सं डेंगू प्रभावित क्षेत्र में स्वास्थ्य विभाग द्वारा फागिंग केर काज कैल जा रहल अछि। खासतौर पर मरीज सबकें घर सं 500 मीटर’क दायरा में फागिंग के काज संपन्न कराओल जा रहल अछि। जाहि सं की संबंधित क्षेत्र में डेंगू के प्रसार के खतरा सब के कम कैल जा सकै। ओत्तै जिला के शहरी क्षेत्र सब में वेक्टर जनित रोग नियंत्रणार्थ जलजमाव बला शहरी क्षेत्र मधुबनी में लार्विसाइडल (टेमीफॉस 50% ) के छिड़काव कैल जा रहा अछि। जिला वेक्टर जनित रोग नियंत्रण पदाधिकारी डॉ विनोद कुमार झा बतौलनि जे सितंबर/अक्टूबर महीना में एडीज मच्छर जनित बीमारियो सब जेना की डेंगू आ चिकनगुनिया के प्रकोप बढ़ि जाइत अछि, डेंगू आ चिकनगुनिया सं संबंधित मरीज चयनित हेबा पर प्रत्येक स्वास्थ्य केंद्र में रोगी कल्याण समिति के फंड सं 10- 10 की पीस टेस्ट रखबाक निर्देश देल गेल अछि । डेंगू आ चिकनगुनिया सं संभावित मरीज के ब्लड सैंपल जांच करबाबै क’ लेल आईडीएसपी के निर्देश देल गेल अछि गया।

डेंगू पसारबला एडीज मच्छर के अनुकूल मौसम हेबा पर मच्छर लगला सं भ जाइत अछि प्रारम्भ : विनोद

जिला वेक्टर जनित रोग नियंत्रण पदाधिकारी विनोद कुमार झा कहलैथ जे डेंगू सं बचाव के लेल हरेक व्यक्ति के जागरूक भेनाइ आवश्यक भ जाएत अछि। घर में वा घर के लगपास बरसात’क कारणे जलजमाव’क स्थिति उत्पन्न भ गेल हो तखन फेर इ डेंगू बोखार’क लेल आमंत्रण के स्वरूप अछि । आइकाल्हि के मौसम सेहो डेंगू पसार’ बला एडीज मच्छर के अनुकूल अछि । मौसम ठंडा हेबा पर मच्छर लगनाई प्रारम्भ भ जाइत अछि। लिहाजन दिवाली तक विशेषरूपे सतर्कता रखबाक जरूरत अछि। घर में मच्छर रोधी स्प्रे सहित सफाई करैत रही। छोटे-छोटे नेना भुटुक्का सबहक शरीर पूरा तरहें कपड़ा सं झांपल रहबाक जरूरत रहैत अछि । घर सं बाहर खेलबाक लेल पठेबाक रहे तखन हाथ आ पैर सब पर मच्छर रोधी क्रीम लगेला क बादे पठेबाक प्रयास करबाक चाही। जाहि सं की बच्चा सबहक जिनगी सुरक्षित रहत आ बीमारी सब सं से राहत सेहो भेटत। राति सुतबाक समय मच्छरदानी के प्रयोग आवश्यक रूप सं करबाक चाही। एहि तरहक लक्षण दूखबा में एला पर एहि बीमारी कें उपचार में पारासिटामोल सबसं बेहतर दबाई अछि। यदि कोनो व्यक्ति के पहिने डेंगू भ चुकल अछि त हुनका बेसी सतर्क रहबाक आवश्यकता होइत छैन्ह। ओहेन व्यक्ति सब के दोबारा डेंगू बुखार के शंका हेबा पर तुरंतहिं सरकारी अस्पताल सं संपर्क करबाक चाही।

डेंगू बला मच्छर सब के बढ़ेबा में एसी, कूलर आ फ़्रिज के भूमिका बहुत महत्वपूर्ण अछि :

जिला वेक्टर जनित रोग नियंत्रण सलाहकार नीरज कुमार सिंह कहलथि जे डेंगू आ मलेरिया जेहन वैक्टर जनित रोग सब सं बचाव’क हेतु ज़िला सब में छिड़काव कैल जैत अछि। स्वास्थ्य विभाग, नगर निकाय आ दोसरा विभाग’क टीम सबहक माध्यमें घरे-घर जा’क’ लोक सबकें बचाव के प्रति जागरूक कैल जाएत अछि । डेंगू मच्छर संक्रमित एडीज मच्छर के काटला सं पसरैत अछि। केवल दू फुट के ऊंचाई तक उईड़ पाब बला ई मच्छर साफ पानि में पनपैत अछि। गंदा वा चलंत पानि में एडीज मच्छर अंडे नई दैत अछि । इकरा लेल थोड़ सन यानी (एक चम्मच) पानि सेहो पर्याप्त होइत अछि, एडीज मच्छर केवल दिने म’ काटैत अछि। एकरा लेल घर के भीतर सेहो पूरा कपड़ा पहिर के रहबाक चाही। अपने घर सबहक वा लगपास में साफ-सफाई के विशेष ध्यान रखबाक चाही। एहि तरहें मच्छर सब कें बढ़ेबा में सबसं बेसी महत्वपूर्ण योगदान कूलर, एसी आ फ्रिज के ट्रे क’ भूमिका रहैत अछि। किया की एहि तरह’क जगह सब पर एडीज मच्छर अंडा दैत अछि, ताहि कारणें फ्रिज’क ट्रे के सेहो नियमित रूप सं साफ सुथरा करैत रही। बुखार भेला पर लगीच’क स्वास्थ्य केंद्र पर जाइ आ चिकित्सीय परामर्श लेला के बादे अपना इलाज़ कराबी मुदा अपन मर्जी सं दवाई दुकान सं दवाई कीन के नई खाई। बल्कि चिकित्सक सं उपचार करेला क बादे दवाई खेबाक चाही ।

मच्छर के प्रकोप सं बचाव’क लेल महत्वपूर्ण गप सब:

-घर में साफ-सफाई पर पूरा ध्यान राखी आ कूलर, गमला क पैन प्रतिदन बदली।
-सुतेत समय मच्छरदानी के उपयोग अवश्य करी आ दिनमें मच्छर भागाबै बला क्रीम के इस्तेमाल करी।
-पूरे शरीर के झांप बला कपड़ा पहिरि आ कमरा के साफ सुथरा क संगे संग ओकरा हवादार सेहो राखी।
-लग-पास गंदगी कखनो जमा नई हुअ दी आ गंदगी बला स्थान सब पर कीटनाशक के प्रयोग करी।
-खाली बर्तन आ सामान सब में पैन कखनो जमा नई हुअ दी आ जमा भेल पैन में किरोसिन तेल ढ़ारि।
-डेंगू के लक्षण भेटला पर तुरंतें लगीच’क स्वास्थ्य केंद्र में संपर्क करी।