दूरभाष संख्या – 0612-2215978 पर निर्वाचन सँ संबंधित कोनो प्रकार के शिकायत/सूचना द सकैत छैथ
दरभंगा, 28 अक्टूबर 2021 :- संयुक्त मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी, बिहार द्वारा पत्र निर्गत करैत कहल गेल जे 78-कुशेश्वरस्थान (अ.जा.) विधान सभा निर्वाचन क्षेत्र सँ बिहार विधान सभा केर उप निर्वाचन, 2021 के अवसर पर 30 अक्टूबर 2021 (शनिदिन) के मतदान क तिथि दिन मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी के कार्यालय, निर्वाचन विभाग, बिहार, पटना मे नियंत्रण कक्ष स्थापित कैल गेल अछि, जे मतदान प्रकिया केर समाप्ति तक कार्यरत रहत। नियंत्रण कक्ष के दूरभाष/फैक्स नम्बर/ई-मेल निम्नवत अछि :-
दूरभाष संख्या – 0612-2215978 आ फैक्स नम्बर – 0612-2215611 आ ई-मेल – ceo_bihar@eci.gov.in आ ceobihar@gmail.com
एहि नियंत्रण कक्ष पर निर्वाचन सँ संबंधित कोनो प्रकार के शिकायत/सूचना उपर्युक्त दूरभाष/फैक्स नम्बर/ई-मेल पर मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी, बिहार के कार्यालय के पठाओल जा सकैत अछि।