साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार सँ सम्मानित हेबाक पश्चात सोनू कुमार झा जी कैल्ह ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति प्रो सुरेंद्र प्रताप सिंह सँ भेंट क’ अपन पुरस्कृत ताम्र-पत्र आ प्रमाण पत्र देखेलै आ आशीर्वाद प्राप्त केलैन।ओ सोनू के उज्ज्वल भविष्य केर कामना केलैन आ एहि तरहेँ आगू सेहो साहित्यिक क्षेत्र सब मे काज करबाक हेतु प्रेरित सेहो केलैन।ओ ‘गस्सा’ कथा संग्रह के प्रसंग में जिज्ञासा केलैन, जकरा कुलसचिव महोदय नीक जकाँ व्याख्यायित केलैन। पुरस्कृत पुस्तक वर्ष 2016 मे प्रकाशित भेल छल। मैथिली खिस्सा कहानी आई आन भाषा सबहक कहानी सबहक संग ताल में ताल मिला’के चलबाक सामर्थ्य सेहो रखैत अछि। संपूर्ण विश्व’क गतिविधि सबकेँ मैथिली साहित्य के कहानी सबहक माध्यम सँ देखल जा सकैत अछि। क्षण प्रतिक्षण’क बदलाव के मैथिली के साहित्यकार स्वीकार करैत छथि आ ओकरा अपन लेखनी के माध्यमें नव दिशा प्रदान करैत रहैत अछि। पुरस्कृत 16 कहानी सबमें सेहो एहि बात कें देखल जा सकैत अछि। एहि अवसर पर विश्वविद्यालय’क विद्वान कुलसचिव प्रो मुस्ताक अहमद,अभिषद सदस्य प्रोफेसर विनोद कुमार चौधरी,आई क्यू. ए. सी. के निदेशक प्रो. एन. के.अग्रवाल, केंद्रीय पुस्तकालय केर प्रभारी आ पुस्तकालय विज्ञान के निदेशक प्रो दमन कुमार झा आ कुलपति के सचिव डॉ. के.एन.श्रीवास्तव आदि उपस्थित छलैथ ।
विदित हो जे सोनू कुमार झा एहि विश्वविद्यालये सँ मैथिली में स्नातकोत्तर केने छथि आ एतहि सँ’मायानन्द मिश्रक उपन्यास साहित्य: विश्लेषण ओ मूल्यांकन’ विषय पर प्रो दमन कुमार झा केर निर्देशन में पी.एच. डी. के उपाधि प्राप्त केने छथि। प्रारम्भिक शिक्षा ओ अपन गाम हरिनगर ,जिला मधुबनी सँ प्राप्त कएलन्हि आ उच्च शिक्षा मधुबनी स्थित जगदीश नंदन महाविद्यालय सँ प्राप्त क’ साहित्यिक सेवा में लागल छथि ।