ओसीआर तकनीक सं बढ़ल मतगणना केर विश्वसनीयता।

दरभंगा, 01 दिसम्बर –  ओ.सी.आर तकनीक जे पहिल बेर पंचायत चुनाव के मतगणना में प्रयोग कैल जा रहल अछि। सातम चरण सं एकर प्रयोग दरभंगा जिला मे कैल जा रहल अछि। ओ.सी.आर. तकनीक ओ तकनीक अछि, जे ई.वी.एम सं कैल जाय बला मतगणना के स्वत: कैप्चर क’ रिकॉर्ड क’ लैत अछि आ तुरंते मतगणना परिणाम प्रदान क’ दैत अछि। एहि रिकार्डेड परिणाम के बाद में देखल जा सकैत अछि।
    मतगणना केन्द्र पर ओहि समय अजीबोगरीब स्थिति उत्पन्न भ’ गेल छल जखन हनुमाननगर प्रखंड के मोरो पंचायत के मुखिया पद’क पराजित प्रत्याशी रोशन आरा के समर्थक सब 02 मत’क हारि हेबाक कारणसँ मतगणना मे त्रुटि हेबाक शंका के ल’के उग्र भ’ हो-हल्ला मचब लगलथि आ मतगणना परिणाम पर शंका व्यक्त कर लगलाह।
     जनतब हो जे हनुमाननगर प्रखण्ड के मोरो पंचायत’क विजयी प्रत्याशी आभा देवी के मतगणना में 1761 मत भेटलन्हि। ओतहि रोशन आरा के 1759 मत प्राप्त भेलनि।

     जिलाधिकारी डॉ. त्यागराजन एस.एम के एकर जानकारी भेटला पर ओ जिला पंचायत राज पदाधिकारी आलोक राज के दुनू प्रत्याशी सब सहित आनआन उपस्थित प्रत्याशी लोकनि कें सेहो ओ.सी.आर. तकनीक सं कैप्चरड मतगणना परिणाम के देखेबाक निर्देश देलन्हि।

    एकर उपरांत जिला पंचायत राज पदाधिकारी आलोक राज द्वारा विजयी आ पराजित सहित उपस्थित प्रत्याशी लोकनि के एहि बातक जानकारी दैत ओ ओसीआर तकनीकी सं कैप्चर्ड रिकॉर्डेड मतगणना के मतगणना केंद्र वार आ प्रत्याशी वार बेर-बेर देखाओल गेल। खासक’ के मतदान केंद्र संख्या 1 आ 1क

       सबटा मतगणना केन्द्र सबहक ईवीएम के गनती के मध्य स्वत: कैप्चर्ड आ रिकॉर्डेड एक-एक प्रत्याशी के परिणाम देखबा के उपरांत विजयी आ पराजित दुनू प्रत्याशी संतुष्ट भ गेलाह आ सब कियो लिखित रूप में अपन संतुष्टि हेबाक लिखित प्रमाण पत्र देलन्हि।
      ओ.सी.आर तकनीकी सं मतगणना परिणाम देखला के बाद विजयी आ पराजित संगहि उपस्थित प्रत्याशी सब के संगहि संग हुनकर समर्थक सब सेहो पूरा संतोष व्यक्त केलनि आ एहि पद्धति के हृदय सं प्रशंसा कएलन्हि।
   चुनाव लड़ बला प्रत्याशी सब ओसीआर तकनीक के संबंध में कहलनि जे एहि तकनीक के आ जाने से जहां एक और मतगणना पारदर्शी भेल अछि ओतहि मतगणना परिणाम पर विश्वसनीयता सेहो बढ़ल अछि।