दरभंगा, 01 दिसम्बर – मद्यनिषेध, उत्पाद आ निबंधन विभाग, बिहार सरकार द्वारा 26 नवम्बर 2021 के आयोजित मद्यनिषेध दिवस के अन्तर्गत राज्य के सबटा 38 जिला सबके लेल सूचना आ जन-सम्पर्क विभाग, बिहार सरकार द्वारा सूचीबद्ध एजेंसी मेसर्स महाबौद्ध जन स्वास्थ्य आ सर्वांगीण विकास केन्द्र, पटना द्वारा राज्य’क सबटा जिला के पंचायत सबमें घूमि घूमि के पूर्ण नशा मुक्ति के लेल स्थायित्व हेतु जन जागृति कैल जेबाक अछि।

एकर आलोक में कैल दरभंगा, समाहरणालय अवस्थित बाबा साहेब डॉ. भीमराव अंबेडकर सभागार के सामने सं जिलाधिकारी, दरभंगा डॉ. त्यागराजन एस.एम द्वारा *नशा मुक्ति रथ* के हरियर झंडी देखा’क विदा केलनि।
जनतब रहै जे नशा मुक्ति रथ द्वारा दरभंगा जिला के सबटा 18 प्रखण्ड’क पंचायत सबमें जा-जा के आम जन के नशा मुक्ति के सनेश, नशा सं हुअ बला नुकसान, स्वास्थ्य पर पड़ बला नुकसान एहि सबहक बारे में जागरूक कैल जाएत।


    एहि अवसर पर जिलाधिकारी द्वारा संवाददाता लोकनि कें संबोधित करैत बताओल गेल जे नशा मुक्ति सं संबंधित की एक प्रकार’क जागरूकता कार्यक्रम के आयोजन कैल जा रहल अछि। ओहि क्रम में कैल नशामुक्ति रथ के पंचायत सब में विदा कैल गेल अछि। नशामुक्ति रथ 60 दिन तक दरभंगा जिला के भिन्न भिन्न पंचायत सब मे घूमि के आम जन कें नशामुक्ति के सनेश देत संगहि नशा सं स्वास्थ्य पर पड़ बला कुप्रभाव आ समाज में बिगड़’ बला छवि के संगहि नशा सं आन क्षेत्र में हुअ बला नुकसान सं आम जन के अवगत करैत। एकरा संगहि विश्व स्वास्थ्य संगठन द्वारा नशा पर कैल गेल सर्वे क रिपोर्ट सं आम जन कें अवगत कराओल जैत आ बुझैल जैत जे नशा क’ कारणसँ बहुतो युवा लोकनि कें अकाल मौत तक भ’ जैत छैन्ह आ नशा सं कोन कोन प्रकार’क गंभीर बीमारी सब होइत अछि। नशामुक्ति रथ प्रति दिन 03 पंचायतों में घूमि घूमिके लोक सबहक बीच जागरूकता करत।
       जिला स्तर पर एकर अनुश्रवण उत्पाद अधीक्षक आ जीविका के डी.पी.एम. द्वारा प्रतिदिन कैल जायत।