दरभंगा,02 दिसम्बर-खाद’क कालाबाजारी रोकबाक लेल अनुमण्डल पदाधिकारी, सदर स्पर्श गुप्ता केर अध्यक्षता में अपर अनुमण्डल पदाधिकारी सदर राहुल कुमार, प्रखण्ड विकास पदाधिकारी सदर विजय कुमार सौरभ आ प्रखण्ड कृषि पदाधिकारी मनोज कुमार मिश्र के द्वारा संयुक्त जाँच दल द्वारा 01.शिव ट्रेडर्स, दिल्ली मोड़ 02.ओम शांति खाद बीज भंडार आ 03. मिथिला ट्रेडर्स, दरभंगा केर जाँच कैल गेल ।
दिल्ली मोड़ अवस्थित शिव ट्रेडर्स के जाँच’क क्रम में पाओल गेल जे वितरण पंजी पर किसान के हस्ताक्षर नहि छन्हि आ वितरित उर्वरक के मात्रा पंजी में नहि दर्शाओल गेल अछि, संगहि  संग POS मशीन खराब छल आ डी.ए.पी. खाद 400 (चार सौ) बैग अक्टूबर सं नवम्बर धरि वितरण विवरणी प्राप्त भेल मुदा वितरण असमान आ विसंगतिपूर्ण छल।

शिव ट्रेडर्स के मालिक द्वारा मिक्सचर खाद के 200 बैग स्टॉक बताओल गेल मुदा गणना के क्रम में 60 बैग उपलब्ध नहीं छल।

ओतहि ओम शांति खाद बीज भंडार के जाँच’क क्रम में वितरण पंजी सही ठंग से संधारित नहीं किया गया छल।
मिथिला ट्रेडर्स, दरभंगा के जाँच’क क्रम में स्टॉक पंजी के मांग कैल गेल जे ओ प्रस्तुत नहि क’ सकलाह, मुदा डी.ए.पी. खाद वितरण में 01 नवम्बर सं 30 नवम्बर धरि – कुल 8030 (आठ हजार तीस मात्र) बैग’क वितरण उपलब्ध कराओल गेल।