दरभंगा, 04 दिसम्बर – उप विकास आयुक्त, दरभंगा तनय सुल्तानिया केर अध्यक्षता में आजुक दिन रेलवे स्टेशन, दरभंगा पर कोरोना संक्रमण जाँच आ टीकाकरण के ल’के बैसार के आयोजन कैल गेल।
एहि बैसार में भूमि सुधार उप समाहर्त्ता सदर,  पुलिस उपाधीक्षक, अपर उपाधीक्षक-सह-अपर मुख्य चिकित्सा पदाधिकारी, गैर संचारी रोग, दरभंगा, अधीक्षक, रेलवे  स्टेशन  दरभंगा, जिला कार्यक्रम  प्रबंधक, (जिला  स्वास्थ्य  समिति), प्रभारी चिकित्सा  पदाधिकारी, सदर, प्रभारी आर.पी.एफ., प्रभारी जी.आर.पी., प्रभारी  बेंता ओ.पी., प्रखण्ड स्वास्थ्य प्रबंधक एवं प्रखण्ड सामुदायिक उत्प्रेरक, प्राथमिक स्वास्थ्य केन्द्र, सदर, दरभंगा भाग लेलन्हि।   
    सबसँ पहिले उप विकास आयुक्त द्वारा दरभंगा रेलवे स्टेशन पर कार्यरत कोरोन जाँच दल के समीक्षा कैल गेल, जाहिमे पाओल गेल जे रेलवे स्टेशन पर दू दल’क द्वारा दू टा काउन्टर लगाके  8-8  घंटा के तीन पाली में  24×7 कोरोना जाँच कैल जा रहल अछि। आइ प्रथम पाली में दल संख्या – 01 द्वारा 105 यात्री लोकनिक कोरोना जाँच कैल गेल आ दोसर दल द्वारा सेहो 106 यात्री सबहक जाँच कैल गेल, जकर एंटीजन रिपोर्ट निगेटिव छल।
     उप विकास आयुक्त द्वारा दुनू जाँच दल के
निदेशित केल गेल जे जाँच के संख्या में बढ़ोतरी कैल जाय। जाँच दल सं वार्ता क’ क्रम में ज्ञात भेल जे   पुलिस बल के कमी क’ कारणेँ रेलवे स्टेशन पर उतर बला यात्री लोकनि कें जाँच’क लेल रोकबा में बेस  परेशानी होइत अछि। 
आर0पी0एफ0, जी0आर0पी0 आ स्थानीय  थाना  के निदेशित कैल गेल  जे पूर्वहि के भांति ट्रेन’क आगमन के समय पर्याप्त पुलिस बल देल  जाय  आ  ई  सुनिश्चित  कैल  जाय जे सबटा  यात्री लोकनिक कोरोना संक्रमण के जाँच कैल जाय।
स्टेशन अधीक्षक, दरभंगा रेलवे स्टेशन द्वारा बताओल गेल जे दक्षिण भारत आ महाराष्ट्रा सं चारि टा ट्रेन आबैत अछि, जाहिमे पवन एक्सप्रेस प्रतिदिन रात्रि में आबैत अछि आ कर्मभूमि एक्सप्रेस आ बागमती एक्सप्रेस रबिदिन के आबैत अछि। पूणे सं एकटा ट्रेन शुक्रदिन आबैत अछि।
    एहि सम्बन्ध में निदेशित कैल गेल जे एहि ट्रेन सब सं  आब बला सबटा यात्री लोकनिक शत् प्रतिशत कोरोना  संक्रमण’क जाँच कैल जाए आ संदिग्ध यात्री लोकैन  के  आर0टी0-पी0सी0आर0  जांच सेहो  कैल जाए।
    जाँच दल के लग एकटा पर्ची के व्यवस्था कैल  जाय जे जाँच भ जाय बला यात्री लोकैन के देल जाय जाहि सँ की ई चिन्हित भ सकै जे हुनका  कोरोना संक्रमण केर जाँच  कैल गेल अछि ।
जाँच  दल  यात्री लोकनिक नाम, दूरभाष  संख्या  आ  पूरा  पता  के  पंजी  में  संधारित  क’  आ  आर0टी0-पी0सी0आर0  जाँच बला  यात्री लोकनिक  आधार  कार्ड  के  मोबाईल  सं  फोटो  ल’  लेल  जाय। रबिदिन के बागमती  एक्सप्रेस सं आब बला   यात्री लोकैन के कोरोना संक्रमण’क शत् प्रतिशत जाँच  हो आ ओवर ब्रिज पर पुलिस बल के व्यवस्था कैल  जाय।
टीकाकरण काउन्टर पर  निरीक्षण के क्रम में पाओल  गेल जे एखन धरि इक्कीस टा लोक सबकें कोरोना टीकाकरण सं लाभान्वित कैल गेल अछि ।