दरभंगा, 05 दिसम्बर :- 04 दिसम्बर के दरभंगा रेलवे स्टेशन पर उप विकास आयुक्त केर अध्यक्षता में भेल बैसार आ बैसार में देल गेल निर्देश’क आलोक में आजुक दिन (5 दिसंबर को) भूमि सुधार उप समाहर्ता सदर, सादुल हसन, सिविल सर्जन डॉ. अनिल कुमार के नेतृत्व में चिकित्सा जांच दल सब बेंगलुरु सं दरभंगा आब बला बागमती एक्सप्रेस सं दरभंगा स्टेशन पर उतर’ बला सब यात्री लोकनि के करोना टेस्टिंग कैल गेल ।
    जनतब रहै जे कोरोना वायरस के नव वेरिएंट ओमीक्रोन के ल’क जिला प्रशासन सचेत अछि आ दक्षिण भारत के राज्य सब आ महाराष्ट्र सं आब बला रेलगाड़ी सब आ उड़ान सब सं दरभंगा आब बला सबटा यात्री लोकनिक कोरोना टेस्टिंग कैल जा रहल अछि।

     एहि आलोक में आजुक बागमती एक्सप्रेस सं दरभंगा आब बला सबटा यात्री लोकनि के कोरोना टेस्टिंग कैल गेल। जाहिमे 246 यात्री लोकनि के एंटीजन टेस्ट आ 10 यात्री लोकनि कें आर.टीपी.सी.आर जाँच कैल गेल ।  सुखद बात ई अछि जे जाँच में कोनो पॉजिटिव मामला नहि भेटल।
      दरभंगा रेलवे स्टेशन परर पर्याप्त पुलिस बल के प्रतिनियुक्ति’क संगहि संग जिला के वरीय पदाधिकारी सेहो रेलवे स्टेशन पर उपस्थित छलाह। कोरोना वायरस के नव वेरिएंट ओमीक्रोन के ल’ क जिला प्रशासन एलर्ट अछि।