सर्दि सब में एकरा खएलाह सं महिला लोकनि के होईत छन्हि फायदा।
दरभंगा, 4 दिसंबर।
ठंड’क मौसम में इम्‍युनिटी बढेबाक लेल घर सब में भिन्न -भिन्न प्रकार’क लड्डू बनाओल जाइत अछि। जे केवल स्वादे टा के लेल नहि बल्कि सेहत के लेल सेहो फायदेमंद होइत अछि।एकर अलावा एहिमे से कई एकटा लड्डू एहनो अछि जे महिला लोकनि कें गर्भधारण के बाद रिकवरी करबा में मददि सेहो करैत अछि। एत हम बात क’ रहल छी अजवाइन’क लड्डू के। जे इम्युनिटी के संगहि संग प्रसव के बाद बच्चा आ मां दुनू के लेल बेस लाभदायक अछि।

अजवाइन’के लड्डू में होइत अछि पोषक तत्व-

आयुर्वेदिक चिकित्सक डॉ विनय कुमार’क अनुसारे अजवाइन’क लड्डू के पोषक तत्‍व अजवाइन में आयरन, सोडियम, मैग्नीशियम, विटामिन ए आ विटामिन C केर भरपूर मात्रा रहैत अछि। ई त्वचा आ शरीर दुनू के लेल फायदेमंद होइत अछि। एहिमे उपलब्ध फाइबर पाचन क्रिया के ठीक रखबा में मददि करैत अछि।

डिलीवरी के बाद मां आ बच्चा के स्वस्थ देख चाहैत छी तखन एहि तरह के लड्डू बनेनाइ नीक होईत अछि। अजवाइन के ल़ड्डू बनेबाक लेल जरूरत होइत अछि एक किलो अजवाइन पिसलाहा, डेढ किलो गहूंम’क आटा, 250 ग्राम गोंद, सूखैल नारियल छोट छोट टुकड़ा में कटल, चीनी वा गुड़, आवश्यकतानुसारे देसी घी।

लड्डू खेला सं होइत अछि बहुत फायदा-

डिलीवरी के बाद महिला लोकनिक शरीर बेसी कमजोर भ’ जैत अछि। अजवाइन’क लड्डू खेला सं डिलीवरी के बाद महिला लोकनि कें पाचन तंत्र’क लेल फायदेमंद होईत अछि। गर्भधारण के बाद अजवाइन’क लड्डू खेला सं मां आ बच्चा सबहक रोग प्रतिरोधक क्षमता बढै़त अछि। अजवाइन में एंटी-इंफ्लामेट्री के गुण सेहो रहैत अछि ,जे डिलीवरी के बाद हुअ बला दर्द सं छुटकारा दियाबै में मददि करैत अछि।यदि हाथ-पैर सब में दर्द रहैत अछि, तखन रोजाना एकटा लड्डू अवश्ये खएबाक चाही। नियमित रूप सं अजवाइन के लड्डू खेला सं शरीर के डिटॉक्‍स करेत अछि। डिलीवरी के बाद शरीर के डिटॉक्‍स करबा में मददि करैत अछि। अजवाइन केर तासीर गर्म होईत अछि। सर्दी-खांसी के समस्या सब सं छुटकारा दियाबई में अजवाइन’क लड्डू फायदेमंद भ’ सकैत अछि।

शारीरिक समस्या भेला पर नजदीकी प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र में संपर्क करी-

प्रसव के बाद कोनो प्रकार’क शारीरिक समस्या भेला पर नजदीकी प्राथमिक स्वास्थय केंद्र में संपर्क क सकैत छी। ओतहि सब प्रकार’क चिकित्सकीय सुविधा उपलब्ध अछि। दिन होई वा राति  24 घण्टा अस्पताल में मरीज सबहक सेवा क लेल डॉक्टर आ कर्मी उपलब्ध रहैत छथि। गंभीर अवस्था भेला पर निःशुल्क एंबुलेंस के सुविधा सेहो प्रदान कएल गेल अछि। एकरा ल’के स्वास्थ्य कर्मी सबसँ संपर्क कएल जा सकैत अछि। एकरा अलावे सबटा सरकारी अस्पताल सब में प्रसव के बाद जरूरी टीकाकरण केर सुविधा उपलब्ध कराओल गेल अछि। एकरा देखैत लोक सब एकर फायदा ल सकैत छथि।