दरभंगा। डरहार गाम में कैल्ह आजाद मंच के द्वारा स्वास्थ्य शिविर केर आयोजन कैल गेल। शहर’क विभिन्न विशेषज्ञ डॉक्टर सबहक टीम के द्वारा रविदिन लहेरियासराय के लगीचे डरहार गाम के काली मंदिर परिसर में स्वास्थ्य जांच शिविर’क आयोजन कैल गेल। एहि शिविर में 1000 सं बेसी मरीज लोकनिक इलाज कैल गेल।
जाहिमे मेडिसिन, सर्जरी ,ऑर्थो, गायनी, शिशु, आंख, कान नाक गला विभाग’क विशेषज्ञ डॉक्टर सबहक टीम फ्री में मरीज लोकनिक इलाज कएलन्हि। संगहि फ्री में मरीज लोकनि के इलाज’क बाद दवा सेहो देल गेल। इस शिविर में सबटा फील्ड’क विशेषज्ञ डॉक्टर शामिल भेलैथ।
इस शिविर में आब बला मरीज लोकनि कें निःशुल्क ब्लड प्रेशर, ब्लड सूगर आ पल्स सैचुरेशन केर जांच कैल गेल।
एहि अवसर पर डॉ प्रवीण कुमार झा, डॉक्टर पुष्पराज , डॉक्टर आरके झा, डॉक्टर कुमारी रश्मि, डॉक्टर मंदिरा झा, डॉ शरद झा, डॉ संजय झा डॉक्टर राकेश रोशन चौधरी डॉक्टर संतोष कुमार ठाकुर डॉक्टर उदय झा डॉक्टर प्रवीण झा डॉ राजकुमार पाठक, डॉक्टर निशांत चौधरी, डॉक्टर गोपीनाथ झा, सहित बहुतो लोक सब उपस्थित छलाह एहि अवसर पर आजाद मंच के अध्यक्ष डॉक्टर सीएम झा कहलनि जे ई पहिल बेर अछि जखन डरहार गाम में कैंप लगाओल गेल जत एतेक संख्या में लोक सब इलाज’क लेल पहुंचलाह। इलाज के लेल आएल लोक सबकें जांच के संगहि दवाई सेहो फ्री में देल गेल। एहि अवसर पर मुखिया संजीव चौधरी उर्फ पप्पू कहलनि जे हम चाहैत छी जे एहि तरह’क कैंप बराबर लगिते रहैत अछि जाहि सं एतुक्का लोक सबहक फ्री में इलाज भ’ सकै।