दरभंगा।आजुक दिन आई .एम. ए. दरभंगा के सचिव सह प्रवक्ता डा.आमोद कुमार झा एकटा प्रेस विज्ञप्ति जारी करैत कहलनि जे” आई हास्पीटल मुजफ्फरपुर” मे हुए ऑपरेशन के उपरांत की एकटा मरीज लोकनिक आँखि के कष्ट बढ़बा आ किछु लोक सबहक आँखि बर्बाद हेबाक घटना सं आई. एम. ए. दरभंगा के चिकित्सक बेस दुःखी छथि आ पीड़ित व्यक्ति और हुनकर निकटतम लोक सबहक प्रति अपन संवेदना व्यक्त करैत छथि। ऐहन ज्ञात भेल जे क्लस्टर संक्रमण’क कारणें लोक सबकें अपन आँखिकेँ नुकसान उठाबय पड़लन्हि।संक्रमण के कारण, स्रोत आ फैलाव के वृहत वैज्ञानिक जाँच के आई. एम. ए. दरभंगा माँग करैत अछि जाहि सं की एहेन दुर्घटना के पुनरावृति नहि भ’ सकै। आनन फानन मे बिना कुनो जाँच के गम्भीर धारा सबमें चिकित्सक गण पर कैल गेल एफ. आई .आर .के आई .एम .ए .दरभंगा घोर निंदा करैत अछि आ सरकार सं माँग करैत अछि जे बिना कारणे चिकित्सक लोकनि के प्रताड़ित नहि कैल जाय। सरकार सं आग्रह करैत अछि जे एहेन सम्बद्ध संस्थान सबहक समय समय पर जांच करवा के कमी सबकेँ दुरुस्त कैल जाए जाहिसँ की एहेन ह्रदय विदारक घटना सबसँ से बचल जा सकै ।