आई दिनांक:- 06/12/2021 के मिथिला स्टूडेंट यूनियन केवटी’क द्वारा, प्रखंड विकास पदाधिकारी केवटी के ज्ञापन द’ देल गेल। ज्ञापन केर पहिल विषय केवटी पंचायत में बंदर सबहक कारणें आम जन के जान माल आ फसिल’क सुरक्षा उपलब्ध करेबाक संदर्भ में छल। ओतहि दोसर ज्ञापन छल किसान सबहक खाद डीएपी उपलब्ध करेबाक संदर्भ में।

मिथिला स्टूडेंट यूनियन के प्रतिनिधिमंडल सं बात करैत प्रखंड विकास पदाधिकारी कहलन्हि जे जल्दी सं जल्दी एहि पर संज्ञान लेल जायत। ओतहि मिथिला स्टूडेंट यूनियन के प्रतिनिधि के द्वारा प्रखंड विकास पदाधिकारी के कहल गेलन्हि जे जौं एहि विषय पर एक सप्ताह’क भीतर संज्ञान नहि ल लेल गेल तखन एमएसयू चरणबद्ध तरीका सं आंदोलन’क लेल बाध्य होयत। एहि मौका पर उपस्थित प्रदीप झा प्रखंड सचिव केवटी,प्रवीण कुमार झा निवर्तमान जिला प्रधान सचिव दरभंगा, स्थानीय ग्रामीण चंद्रशेखर झा, रामकुमार, दीपक कुमार सौरव कुमार संगहि बहुतो लोक सब उपस्थित छलाह।