Breaking News

दरभंगा।ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय में अतिथि/अंशकालिक शिक्षक सबहक नियुक्ति केर क्रम में माननीय कुलपति महोदय के आदेश पर *भौतिकी विषय* में उपयुक्त पाओल गेल सबटा उम्मीदवार लोकनि कें साक्षात्कार पत्र अतिथि शिक्षक के लेल निर्मित वेबसाइट (https://govexams.com/lnmu_guest/default.aspx) पर कैल अपलोड क’ देल गेल अछि।उम्मीदवार अतिथि / अंशकालिक शिक्षक हेतु ऑनलाइन आवेदन भरैत समय प्रयुक्त Log-in ID आ password केर उपयोग क’ अपन अपन साक्षात्कार पत्र डाउनलोड क’ सकैत छी। एहि आशय के सूचना अभ्यर्थि सबकें SMS के माध्यमे हुनकर मोबाइल नंबर पर सेहो देल गेल अछि।

साक्षात्कार विश्वविद्यालय’क मुख्य प्रशासनिक भवन में दिनांक 21 दिसंबर, 2021 के दिन मे दस बजे से आयोजित कैल गेल अछि। कुल 71 टा उपयुक्त पाओल गेल उम्मीदवार सब में सं पहिल 36टा उम्मीदवार सबकेँ 21 दिसंबर के दिन में 9.00, आ शेष उम्मीदवार लोकनि कें 11.00 बजे उपिस्थत हेबाक लेल निर्देशित कैल गेल अछि।