Breaking News

दरभंगा, 06 दिसम्बर – जिलाधिकारी के निर्देश’क आलोक में आजुक दिन एम.एल.एस.एम महाविद्यालय में बिहार सरकार’क सात निश्चय योजना के अंतर्गत *आर्थिक हल युवाओं को बल* केर अन्तर्गत बिहार’क युवा लोकनि कें लेल राज्य सरकार’क अभूतपूर्व योजना बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना, मुख्यमंत्री निश्चय स्वयं सहायता भत्ता योजना आ कुशल युवा कार्यक्रम योजना केर जानकारी जिला निबंधन आ परामर्श केन्द्र, दरभंगा’क पदाधिकारी सबहक द्वारा देल गेल।जिला निबंधन आ परामर्श केन्द्र’क जिला प्रबंधक विकास कुमार द्वारा बताऐल गेल जे बिहार सरकार द्वारा युवा लोकनि कें शिक्षा ऋण के रूप में अधिकतम 04 लाख रुपया उपलब्ध करबैत अछि।

ओ कहलन्हि जे इक्छुक युवा अपन उच्चतर शिक्षा’क लेल *बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना* केर लाभ जिला निबंधन आ परामर्श केन्द्र’क माध्यम सं ल’ सकैत छी। संगहि बिहार सरकार द्वारा युवा लोकनि कें *कुशल युवा कार्यक्रम* के अंतर्गत 03 महीना के कंप्यूटर प्रशिक्षण कोर्स सेहो करा रहल अछि।
ओ कहलन्हि जे ओहेन युवक जे इंटर पास करबाक पश्चात कोनो कारण बस अपन पढ़ाई छोईड़ चुकल छथि आ जिनकर उम्र 20 सं 25 वर्ष’क बीच रहै, हुनका सरकार *मुख्यमंत्री स्वयं सहायता भत्ता योजना* के अंतर्गत प्रत्येक महीना 01 हजार अधिकतम 24 महीना धरि उपलब्ध करा रहल अछि।
कार्यक्रम में उपस्थित एम.एल.एस. एम  महाविद्यालय के प्राचार्य प्रो. मंजू चतुर्वेदी छात्र लोकनि के संबोधित करैत कहलनि जे बिहार सरकार द्वारा आर्थिक समस्या सं जूझि रहल विद्यार्थी सबकेँ, बिहार स्टूडेंट क्रेडिट कार्ड योजना के माध्यम सं शिक्षा ऋण उपलब्ध करबैत अछि , जकरा आर्थिक समस्या बला प्रत्येक युवा के प्राप्त करबाक चाही।
कार्यशाला में डॉ. विनय कुमार झा सहित रंगनाथ त्रिपाठी, जिला निबंधन आ परामर्श केन्द्र के एस.डब्ल्यू.ओ. सेहो उपस्थित छलाह।