दरभंगा, 08 दिसम्बर – अनुमण्डल दण्डाधिकारी, सदर आदेश निर्गत करैत कहलनि जे पंचायत आम निर्वाचन, 2021 के अवसर पर दशम चरण यथा – गौड़ाबौराम आ घनश्यामपुर प्रखण्ड’क मतदान के पश्चात ई.वी.एम/ मतपेटिका के संग्रहण हेतु कृषि उत्पादन बाजार समिति (वि), शिवधारा, दरभंगा में बज्रगृह आ मतगणना स्थल केर चयन कएल गेल अछि।
ओ कहलन्हि जे गौड़ाबौराम आ घनश्यामपुर प्रखण्ड’के दिनांक 08 दिसम्बर 2021के मतदान’क पश्चात ई.वी.एम/मतपेटिका संग्रहण काज आ दिनांक 10 आ 11 दिसम्बर 2021 के दरभंगा दिन के 8:00 बजे सं मतगणना’क काज कैल जएबाक अछि।एहि के आलोक में ओ कहलन्हि जे ई.वी.एम /मतपेटिका संग्रहण आ मतगणना काजक अवसर पर ओहि तिथि के कृषि उत्पादन बाजार समिति (वि),शिवधारा, दरभंगा में आम जन कें प्रवेश वर्जित रहत।