Breaking News

दरभंगा, 08 दिसम्बर –माननीय मंत्री जल संसाधन, सूचना आ जन-संपर्क विभाग, बिहार सरकार संजय कुमार झा आ जिलाधिकारी दरभंगा डॉ. त्यागराजन एस.एम केर अध्यक्षता में कुशेश्वरस्थान प्रखण्ड’क निर्मल पैलेस में बाढ़िक समस्या क’ निदान के ल’क संबंधित विभाग’ क अभियंता सब आ पदाधिकारी लोकनि के संग बैसार कैल गेल।
बैसार में सबसँ पहिले कमला नदी में जमल गैद (Silt) केर सफाई’क कार्ययोजना के कार्यपालक अभियंता बाढ़ि नियंत्रण प्रमण्डल, झंझारपुर द्वारा पावर पॉइंट प्रेजेंटेशन के माध्यम सं अवगत कराओल गेल।माननीय मंत्री द्वारा सबटा संबंधित विभाग’क पदाधिकारी लोकनि आ कृषि वैज्ञानिक सबसँ, आत्मा केर परियोजना निदेशक, कार्यपालक अभियंता ग्रामीण कार्य विभाग, कार्यपालक अभियंता पथ निर्माण विभाग बेनीपुर सं वार्ता क’ हुनका विभाग’क योजना सबहक संबंध में जानकारी प्राप्त कएलन्हि।

बैसार में कृषि वैज्ञानिक सबहक द्वारा बताओल गेल जे, जाहि खेतों में 03 फीट सं 06 फीट तक जल-जमाव भ’ जाइत हो, ओतय सूरजमुखी, मखाना आ सिंघाड़ा के खेती कैल जा सकैत अछि। एकरा लेल संबंधित किसान सबकेँ प्रेरित कएल जा सकैत अछि। बैसार में क्षतिग्रस्त सड़क सबहक मरम्मति क’ समस्या पर विचार विमर्श कैल गेल।
     बैसार’क उपरांत मंत्री,जिलाधिकारी, दरभंगा आ विधायक कुशेश्वरस्थान द्वारा  संबंधित अभियंता लोकनिक संग मध्य विद्यालय हरौली के लगीचे कमला नदी में जमल गैद’क(सिल्ट) स्थल के निरीक्षण कैल गेल।
बैसार में कुशेश्वरस्थान के विधायक अमन भूषण हजारी, अपर समाहर्त्ता (राजस्व) विभूति रंजन चौधरी, अनुमण्डल पदाधिकारी, बिरौल संजीव कुमार कापर,भूमि सुधार उप समाहर्त्ता, बिरौल, वरीय उप समाहर्त्ता सत्यम सहाय, प्रखण्ड विकास पदाधिकारी, अंचलाधिकारी आ संबंधित अभियंतागण उपस्थित छलाह।